बिहारक सम्मान



शिक्षा के क्षेत्र मे बिहार के लेल एकटा नीक खबर अछि. साक्षरता के क्षेत्र मे बिहार एकटा नवका मुकाम हासिल करलक अछि.

बिहार एक दशक के दौरान महिला साक्षरता आओर आम साक्षकरता दर मे सभ सं बेसि वृद्धि करय वाला राज्य बनि गेल अछि. 2001 सं लsक 2011 तक एक दशक मे बिहार शिक्षाक क्षेत्र मे काफी आगां गेल अछि.

पिछला दिन जे 2011 के जनगणना भेल छल ओकर
रिपोर्ट के अनुसार महिला साक्षरता मे देश मे सभ सं बेसि वृद्धि बिहार मे 20.21 रहल. अगर संपूर्ण साक्षरता ...आम साक्षरता के हिसाब सं देखल जाए तं बिहार एहि मे सेहो अव्वल रहल.

पिछला दस साल मे बिहार मे आम साक्षरता दर 16.82 रहल. ई बिहार के लेल गर्वक गप अछि.

एहि उपलब्धि के लेल राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल 8 सितंबर के दिल्ली मे बिहार के सम्मानित करतीह. सम्मान समारोह दिल्ली केंट के मानिक शॉ सेंटर मे होएत. एह समारोह मे बिहार के एकटा ट्रॉफी आओर सार्टिफिकेट देल जाएत.

राष्ट्रीय साक्षरता मिशन प्राधिकरण के एहि सम्मान सं उम्मीद अछि जे बिहार मे साक्षरता अभियान आओर तेज होएत. अखन धरि जे साक्षर भारत अभियान सिर्फ तीन जिला मे चलैत छल ओ पूरा राज्य मे चलत.

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक साइकिल योजना... पोशाक योजना...आओर सरकारी मिड-डे भोजन योजना  के कारण सेहो लोक सभ अपन धिया-पुता के स्कूल भेजनाय शुरू करि देने छथिन्ह.

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

कि कि नहि कराएत ई बाढ़ि... ki ki nai karaait ee baarhi

पूर्णिया मे सुखोई

मिथिला बिन बिहार आ बिहार बिन देशक विकास संभव नहि- नीतीश

हमर विआह-10

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल