नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पोलियो पर अंकुश

देश भर मे चलाएल जा रहल पल्स पोलियो अभियान के सफलता देखय लेल मिल रहल अछि. नवका रिपोर्ट कहि रहल अछि जे बिहार मे कई मास सं पोलियो के एकोटा मामला देखय लेल नहि मिलल अछि.
ई नीक खबर अछि. बिहार मे पोलियो के मरीज के संख्या काफी बढ़ि गेल छल. लोक सभ परेशान छलखिन्ह. मुदा पिछला किछ साल सं चलाएल गेल पल्स पोलियो अभियान के कारण एहि पर अंकुश लागल अछि.


एहि मामला मे आईसीएमआर के कहनाय अछि अगर एहन हाल रहल त कहि सकय छी जे देश पोलियोमुक्त भ रहल अछि. देश सं पोलियो के उन्मूलन भ रहल अछि. ई एकटा पॉजिटिव खबर अछि.

आईसीएमआर के अनुसार बिहार मे करीब डेढ़ साल सं वाइल्ड पोलियो वायरस-तीन आओर करीब नौ मास सं वाइल्ड पोलियो वायरस-एक के एकोटा मामला नहि देखल गेल अछि.

बिहार मे पोलियो...कालाजार...खसरा एहि सभ के दिशा मे सरकार के तरफ सं नीक प्रयास भ रहल अछि. किछ गैर-सरकारी संगठन सेहो जोर-शोर सं जुटल अछि.

एहि क्षेत्र मे दुनिया के दोसर सभसं धनी आदमी आओर माइक्रोसॉफ्ट के संस्थापक बिल गेट्स के बिल एंड मेलिंडा गेट्स फांउडेशन सेहो काज करि रहल अछि. बिल गेट्स किछ दिन पहिने बिहार सेहो आएल छलाह.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु