बिहारी विद्यार्थी सभ के लेल एकटा नीक खबर अछि. बिहार सरकार आब बोर्ड परीक्षा मे टॉप करय वाला विद्यार्थी के देश घुमय के मौका देबय जा रहल अछि. ई मौका सिर्फ टॉप टेन के नहि बल्कि टॉप 500 छात्र के मिलत.
सरकार के एहि पहल के अंतिम रूप देबय मे मानव संसाधन विभाग जुटय अछि. एहि के लेल रेलवे के रिजर्वेशन देखय वाला आइआरसीटीसी सं संपर्क कएल गेल अछि...आओर ई सभ जानल जा रहल अछि जे एकरा केना लागू
कएल जाएत.आइआरसीटीसी सं इहो पूछल गेल अछि जे एहि पर कतेक खर्च आएत? एकहिं बेर सभ छात्र के घुमाएल जाए आ बारी-बारी सं? एहि तरहर कइटा सवाल पर सेहो विचार भ रहल अछि.
बिहार सरकार के तरफ सं एहि सं पहिने 10वीं आओर 12वीं के टॉप-100 मे आबय वाला विद्यार्थी के छात्रवृत्ति देल जाएत छल. मुदा सरकार के माननय अछि जे आब छात्रवृत्ति के संग देश दर्शन सेहो करायल जाए.
सरकार के एहि भारत दर्शन सं विद्यार्थी सभ के देश के कोना-कोना घुमय के मिलतन्हि. ओ देश के प्रमुख पर्यटक स्थल... ऐतिहासिक स्थल धुमि सकताह ओहि के बारे मे जानि सकताह.
ई सरकार के बड़ नीक कदम अछि. एहि सं विद्यार्थी सभ के दिमाग खुलतन्हि. ओ बिहार सं बाहर के प्रमुख स्थल के खुद अपना सं जानि-पहचानि सकथिन्ह. एक-दोसरा के कला-संस्कृति-सभ्यता के बारे मे जानि सकथिन्ह.
मानसिक विकास के लेल पर्यटन के ई फंडा बड़ नीक अछि. नव-नव जगह जएताह...नव-नव चीज सीखताह. एहि क्रम मे कई तरहक लोक सभ सं सेहो मिलय के मौका मिलतन्हि जेहि सं ज्ञान के विस्ताह होएतन्हि.
एकर एकटा फायदा इहो होएत जे छात्र सभ मे आब टॉप आबय लेल कंपीटिशन बढत. छात्र सभ टॉप 500 मे आबय लेल जोर-शोर सं लगताह. जमि कs मेहनत करताह. पढाई-लिखाई करताह.
पोशाक...साइकिल योजना के बाद पढाई के प्रति लोक के जागरूकता लाबय के एहि कदम के सभ लोक के स्वागत करबाक चाही. सभ विद्यार्थी सभ के हमर शुभकामना.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु