भारत 28 साल के बाद एक बेर फेर सं विश्व चैंपियन बनि गेल अछि. मुंबई के वानखेड़े स्टेडियम मे श्रीलंका के 6 विकेट सं हराsक कप्तान महेन्द्र सिंह धोनी के टीम इंडिया एकटा नवका इतिहास रचि देलक.
1983 के बाद दोसर बेर भारत के माथ पर विश्व विजेता बनय के सेहरा बंधल अछि. एहन पहिल बेर भेल जे कोनो मेजबान विश्वकप जीतय मे सफल भेल. विश्वकप जीतय के संग देश जश्न मे डूबि गेल. सभ लोक घर सं बाहर निकल
खुशी मनाबय लगलाह.
खुशी मनाबय लगलाह.
विश्व चैंपियन भारत |
भारत के जीततहि राति के बारह बजे जेना दिन के बारह बजि गेल होए. दिवाली...होली आओर ईद एकहिं संग मनय लागल. लोक पटाखा फोड़य लगलाह.... अबीर लगाबय लगलाह... एकदोसरा सं ल-गला मिल बधाई देय लगलाह.
दिल्ली के प्रेस क्लब सं मैच देखि जखन इंडिया गेट दिस बढलौं त लागल जेना पूरा दिल्ली-एनसीआर ओतय उमड़ि आएल अछि. सभ लोक उत्साह सं भरल...कपड़ा...लत्ता उतारि दिगंबर जकां बनल. सभ के मुंह सं एकहि नारा निकलि रहल छल... इंडिया !!!...इंडिया !!!
ओना भारत जखन बल्लेबाजी करय लागल आओर सहवाग आओर सचिन जल्दीए आउट भ गेलाह त लोक के मुंह उतरि गेल छलनि. ओ सभ निराश भ गेल छलखिन्ह. मुदा गौतम गंभीर (97 रन) आओर धोनी के कप्तानी (91) पारी सं देश विश्व विजेता बनि गेल.
धोनी के कप्तानी के जतेक तारीफ कएल जाए कम होएत. ओ हर मैच मे अपना हिसाब सं खिलाड़ी के फेर-बदल करैत रहलाह आओर हुनकर ओ फैसला सही साबित होएत रहल. चाहे ओ अश्विन... नेहरा आ फेर श्रीसंत के खिलाबय के फैसला होए.
धोनी के मैन आफ द मैच आओर युवराज सिंह के मैन आफ द सीरीज के खिताब सं नवाजल गेल. श्रीलंका के 1996 के बाद फेर सं विश्व चैम्पियन बनय के सपना धरल के धरल रहि गेल. अंतर्राष्ट्रीय क्रिकेट मे 1300 सं बेसि विकेट लेबय वाला मुरलीधरन मैच के बाद अंतर्राष्ट्रीय क्रिकेट सं संन्यास लs लेलाह.
होनी के अनहोनी करि देय...जतय होए रजनी...गजनी आओर धोनी |
विश्वकप जीतला के बाद खिलाड़ी सभ पर धनक वर्षा होए लागल अछि. करोड़ों रुपया इनाम मे मिल रहल छनि. कोई एक करोड़ देबय के घोषणा करि रहल अछि त कोई दू करोड़. धोनी के नाम पर स्टेडियम सेहो बनत.
इंडिया गेट पर जश्न मे डूबल लोक सभ के त एहन कहनाय छलनि जे 1947 मे आजाद भेलाह के बाद पहिल बेर लोक के एतेक खुश देखि रहल छी आओर एतेक लोक खुशी सं घर सं बाहर निकालि जश्न मना रहल छथिन्ह.
अहां सभ के सेहो विश्वकप जीतय के बधाई.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु