Skip to main content

विश्व चैम्पियन भारत

भारत 28 साल के बाद एक बेर फेर सं विश्व चैंपियन बनि गेल अछि. मुंबई के वानखेड़े स्टेडियम मे श्रीलंका के 6 विकेट सं हराsक कप्तान महेन्द्र सिंह धोनी के टीम इंडिया एकटा नवका इतिहास रचि देलक.

1983 के बाद दोसर बेर भारत के माथ पर विश्व विजेता बनय के सेहरा बंधल अछि. एहन पहिल बेर भेल जे कोनो मेजबान विश्वकप जीतय मे सफल भेल. विश्वकप जीतय के संग देश जश्न मे डूबि गेल. सभ लोक घर सं बाहर निकल
खुशी मनाबय लगलाह.
विश्व चैंपियन भारत
 भारत के जीततहि राति के बारह बजे जेना दिन के बारह बजि गेल होए. दिवाली...होली आओर ईद एकहिं संग मनय लागल. लोक पटाखा फोड़य लगलाह.... अबीर लगाबय लगलाह... एकदोसरा सं ल-गला मिल बधाई देय लगलाह.

दिल्ली के प्रेस क्लब सं मैच देखि जखन इंडिया गेट दिस बढलौं त लागल जेना पूरा दिल्ली-एनसीआर ओतय उमड़ि आएल अछि. सभ लोक उत्साह सं भरल...कपड़ा...लत्ता उतारि दिगंबर जकां बनल. सभ के मुंह सं एकहि नारा निकलि रहल छल... इंडिया !!!...इंडिया !!!
विश्वकप आओर परिवार के संग सचिन
ओना भारत जखन बल्लेबाजी करय लागल आओर सहवाग आओर सचिन जल्दीए आउट भ गेलाह त लोक के मुंह उतरि गेल छलनि. ओ सभ निराश भ गेल छलखिन्ह. मुदा गौतम गंभीर (97 रन) आओर धोनी के कप्तानी (91) पारी सं देश विश्व विजेता बनि गेल.

धोनी के कप्तानी के जतेक तारीफ कएल जाए कम होएत. ओ हर मैच मे अपना हिसाब सं खिलाड़ी के फेर-बदल करैत रहलाह आओर हुनकर ओ फैसला सही साबित होएत रहल. चाहे ओ अश्विन... नेहरा आ फेर श्रीसंत के खिलाबय के फैसला होए.

धोनी के मैन आफ द मैच आओर युवराज सिंह के मैन आफ द सीरीज के खिताब सं नवाजल गेल. श्रीलंका के 1996 के बाद फेर सं विश्व चैम्पियन बनय के सपना धरल के धरल रहि गेल. अंतर्राष्ट्रीय क्रिकेट मे 1300 सं बेसि विकेट लेबय वाला मुरलीधरन मैच के बाद अंतर्राष्ट्रीय क्रिकेट सं संन्यास लs लेलाह.
होनी के अनहोनी करि देय...जतय होए रजनी...गजनी आओर धोनी
विश्वकप जीतला के बाद खिलाड़ी सभ पर धनक वर्षा होए लागल अछि. करोड़ों रुपया इनाम मे मिल रहल छनि. कोई एक करोड़ देबय के घोषणा करि रहल अछि त कोई दू करोड़. धोनी के नाम पर स्टेडियम सेहो बनत.

इंडिया गेट पर जश्न मे डूबल लोक सभ के त एहन कहनाय छलनि जे 1947 मे आजाद भेलाह के बाद पहिल बेर लोक के एतेक खुश देखि रहल छी आओर एतेक लोक खुशी सं घर सं बाहर निकालि जश्न मना रहल छथिन्ह.

अहां सभ के सेहो विश्वकप जीतय के बधाई.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
Deal a Day   I   Go Jiyo   I   HT Campus   I   Times Jobs.com   I   SNAP DEAL

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

बिहार सरकार के तरफ सं एकटा छात्रवृत्ति योजना शुरू कएल गेल अछि. एहि मे एससी... एसटी, अल्पसंख्यक आओर अत्यंत पिछला वर्ग सं मैट्रिक मे फर्स्ट आबय वाला विद्यार्था के 10 हजार रुपया के छात्रवृत्ति देल जाएत. एकर शुरूआत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी पटना मे किछ छात्र के 10 हजार रुपया के चेक द कएलखिन्ह. अहांके कि लगैत अछि कि ई एकटा नीक कदम अछि? कि एहि सं बेसि सं बेसि विद्यार्थी पढ़ाई-लिखाई के तरफ ध्यान देताह ? कि ई राज्य मे साक्षरता लाबय के दिशा मे नीक पहल अछि? आ फेर एकरो हाल दोसर योजना के जकां रहत? सरकार एहि सं पहिनहुं चरवाहा विद्यालय... साइकिल योजना... मिडडे मील नहि जाने कि कि चलाबैत अछि...कि एकरो हाल ओकरे जकां होएत? अहां सभ अपन-अपन विचार जरूर राखु आओर इहो बताउ जे शिक्षा क्षेत्र मे बेहतरी के लेल सरकार के आओर कि- कि करबाक चाही?   Mithila News Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati,Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepur...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...