होली पर घर जाए लेल टिकट नहि

अखन किछ देर पहिने नारायण जी के फोन आएल छल. ओ पूछैत छलाह होली मे गाम जा रहल छी कि ? हम कहलिएन्हि जे अखन गाम जाए के कोनो प्रोग्राम नहि अछि त ओ कहलाह कि जाए के मन भ रहल अछि मुदा टिकटे नहि मिल रहल अछि.

ई हाल नारायण जी के नहि हजारों लोक के छनि जे गाम-घर सं दूर दिल्ली...मुम्बई... हरियाणा आओर पंजाब दिस रहय छथिन्ह. पहिने जाए के मोन नहि छलन्हि आब भेलन्हि त टिकट
नहि.

नौकरी वाला लोक के इहे बड़ दिक्कत रहय छनि. पहिने छुट्टी नहि मिलय के कारण गाम जाए के प्रोग्राम नहि बनौने रहय छथिन्ह पर जौं केहुना एक-दू के छु्टटी के जोगाड़ कs लए छथिन्ह त टिकट नहि.

एहि बेर होली रवि दिन 20 मार्च के अछि. बड़ लोक गाम जाए चाहय छथिन्ह... मुदा ट्रेनक टिकट नहि मिल रहल अछि. लोक सभ भोरे-भोर उठि टिकट लेल रिजर्वेशन काउंटर पर लाइन मे लागि जाए छथिन्ह मुदा निराशा हाथ लागि रहल छनि.

दू-दू सय...ढाई-ढाई सय के वेटिंग लिस्ट वाला टिकट मिल रहल अछि जकरा कंफर्म होए के कोनो ठिकान नहि. कइटा ट्रेन मे तं वेटिंग लिस्ट वाला टिकट सेहो नहि मिल रहल अछि. आब लोक गाम जएताह त केना?

एकsतं ममता बनर्जी जी जेहिआ सं रेल मंत्री बनलखिन्ह बिहारक ट्रेन के हाल ओहिना खराब अछि. ओतेक भीड़ रहलाsहो पर नवका ट्रेन देबय मे कंजूसी बरतल गेल. दोसर जाट आंदोलन के कारण ट्रेन लेट आ रद्द भ रहल अछि.

एहि कारण सिर्फ बिहार जाए वाला मुसाफिर के नहि दोसर ठाम जाए वाला लोक के सेहो दिक्कत भ रहल छनि. जाट आंदोलन के कारण होली स्पेशल ट्रेनके जाए पर सेहो सवालिया निशान लागल अछि.

रेलवे के करोड़ों रुपया के नुकसाल भ रहल अछि. मुदा वोट बैंकक राजनीति के कारण सरकार कान मे रूई डालि कs सुतल अछि. कोनो कार्रवाई नहि भ रहल अछि पटरी पर डेरा जमौने लोक पर.

लड़का...जवान लोक सभ तं कष्ट करि...केहुना ट्रेन ने लटैक...ठाड़ भ... लोक पर लोक चढि गाम चलिओ जाए छथिन्ह मुदा जिनका संग परिवार के आओर लोक रहय छनि ओ नहि जा पाबय छथिन्ह.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

नैका बंजारा

मिथिला सं कांग्रेस ...

हमर विआह -7

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

नीतीश जीक पास उठल दरभंगा एसडीओ मामला

आई मिस यू मोना...

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

हमर विआह-10