नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सिमरिया मे अर्द्धकुंभsक शंखनाद

बिहार आओर मिथिलाक लोक के लेल ई साल बड़ नीक अछि. मिथिलाक एकटा विलुप्त जकां भs गेल परंपरा...धार्मिक अनुष्ठान के फेर सं शुरूआत भ रहल अछि. मिथिलाक सिमरिया मे फेर सं कुंभ शुरू करय के शंखनाद भ गेल अछि...आओर ई सभ भs रहल अछि सिमरिया के सर्वमंगला धाम आश्रम के गुरुजी करपात्री अग्निहोत्री परमहंस चिदात्मान जी महाराज जीक कोशिश सं.

चिदात्मान जी महाराज जीक कहनाय छलन्हि जे सिमरिया मे अनादि काल सं कुंभ लगैत आबि रहल छल. मुदा बीच मे किछ कारण सं एहिठाम कुंभ आओर अर्द्धकुंभ
लगनाय बंद भs गेल. मुदा गुरुजीक कोशिश सं ई फेर सं शुरू भ रहल अछि. ई सभ गुरूजीक अथक प्रयासक नतीजा अछि. एहि के लेल चिदात्मान जी महाराज दिनराति एक करि देश भर के संत-महात्मा के एहि लेल राजी करलखिन्ह.

करपात्री जीक कहनाय छलन्हि जे पहिने देश मे बारह ठाम कुंभ के आयोजन होएत छल. चूंकि एक ठाम बारह साल बाद कुंभ होएत अछि एहि लेल हर साल हर ठाम कुंभ के आयोजन होएत छल आओर देश के हर भाग मे हर साल संत-महात्मा... महापुरुष लोकनि के सभा...संगम संगत होएत छल. जेहि मे देश-दुनिया के शांति...कल्याणक चर्चा होएत छल.
बिरला मंदिर वाटिका मे संत समागम
आब सिमरिया मे सेहो हर 6 साल पर अर्द्ध कुंभ आओर बारह साल पर पूर्ण कुंभ लागत. एहि साल अक्तूबर मे अर्द्ध कुंभ लागत. अर्द्धकुंभ 17 अक्तूबर सं 18 नवंबर तक लागत. पूर्ण कुंभ एकर 6 साल बाद 2017 मे लागत. पौराणिक कथा के मुताबिक जेहिठाम अमृत बांटल गेल छल ओ स्थान समृता यानी सिमरिया छल.

सिमरिया मे फेर सं कुंभ के घोषणा रवि दिन दिल्ली के बिरला मंदिर वाटिका मे एकटा राष्ट्रीय संगोष्ठी मे कएल गेल. एहि राष्ट्रीय संगोष्ठी के आयोजन गुरूजी के अखिल भारतीय सर्वमंगला चिंताहरणी धाम आश्रम सिमरिया के तरफ सं कएल गेल छल.एहि के संत-महात्मा के संग कइटा गणमान्य व्यक्ति शामिल भेलाह. सभ अपन-अपन विचार सेहो राखलखिन्ह.

प्रयाग पीठाधीश्वर जगतगुरु शिवमंगल दास जी महाराज कहलखिन्ह जे कुंभ परंपरा के शुरूआत सिमरिया सं भेल छल. देश मे व्याप्त दस तरहक अव्यवस्था पर वार करैत ओ इहो कहलखिन्ह जे आब संत समाज के आगां आबय पड़तन्हि. संगोष्ठी मे गोविंदाचार्य जी सेहो आएल छलाह आओर ओ लोक सभ के कुंभ के महत्व के बारे मे बतौलखिन्ह.

संगोष्ठी मे महामंडलेश्वर रमते जोगी जी महाराज, ताराचंडी पीठाधीश्वर अंजनेश जी महाराज, आचार्य प्रमोद कृष्णन कल्कि जी महराज, स्वामी गणेशनंद जी महाराज, पूर्व केंद्रीय मंत्री अखिलेश सिंह, हिन्दू महासभा के अध्यक्ष चन्द्र प्रकाश कौशिक, गाँधी शांति प्रतिष्ठान के सचिव सुरेन्द्र कुमार सहित कइटा गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह.
सिमरिया कुंभ पर राष्ट्रीय संगोष्ठी
बिहार सरकार के तरफ सं सेहो कुंभ के अवसर पर मेला के आयोजन कएल जाएत आओर लोक के कोनो दिक्कत परेशानी नहि होए एकर इंतजाम कएल जाएत. कुंभ सं स्थानीय लोक के रोजगार के अवसर सेहो मिलतन्हि. गुरुजीक तरफ सं अहां सभ लोक के न्योत सेहो देल गेलन्हि जे सभ लोकनि एहि अर्द्धकुंभ मे कार्तिक मास मे सिमरिया जरूर आउ.

संगोष्ठी काफी सफल रहल...आओर आब बिहार...मिथिलाक...सिमरियाक कुंभ के सफल बनाबय के जिम्मेदारी अहां सभ पर अछि. अहां सभ लोकनि एकर सफलताक लेल जी-जान सं जुटि जाउ. मिथिलाक पाग एक बेर फेर सं ऊपर उठा दिऔ.

एहि संगोष्ठी के एकटा खास आकर्षण श्याम किशोर सहाय जी सेहो रहलाह. श्याम जी सहारा समय न्यूज़ चैनल सं जुड़ल छथिन्ह आओर हुनकर कार्यक्रम संचालन के जतेक प्रशंसा कएल जाए कम होएत. कार्यक्रम सं हुनकर प्रबंधन क्षमता सेहो लोक के सामने अएलन्हि. आओर जेना ओ एकरा नीक सं निभैलखिन्ह उम्मीद अछि कुंभ के संचालन सेहो नीक सं होएत. जय मिथिला...जय बिहार
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु