Skip to main content

सिमरिया मे अर्द्धकुंभsक शंखनाद

बिहार आओर मिथिलाक लोक के लेल ई साल बड़ नीक अछि. मिथिलाक एकटा विलुप्त जकां भs गेल परंपरा...धार्मिक अनुष्ठान के फेर सं शुरूआत भ रहल अछि. मिथिलाक सिमरिया मे फेर सं कुंभ शुरू करय के शंखनाद भ गेल अछि...आओर ई सभ भs रहल अछि सिमरिया के सर्वमंगला धाम आश्रम के गुरुजी करपात्री अग्निहोत्री परमहंस चिदात्मान जी महाराज जीक कोशिश सं.

चिदात्मान जी महाराज जीक कहनाय छलन्हि जे सिमरिया मे अनादि काल सं कुंभ लगैत आबि रहल छल. मुदा बीच मे किछ कारण सं एहिठाम कुंभ आओर अर्द्धकुंभ
लगनाय बंद भs गेल. मुदा गुरुजीक कोशिश सं ई फेर सं शुरू भ रहल अछि. ई सभ गुरूजीक अथक प्रयासक नतीजा अछि. एहि के लेल चिदात्मान जी महाराज दिनराति एक करि देश भर के संत-महात्मा के एहि लेल राजी करलखिन्ह.

करपात्री जीक कहनाय छलन्हि जे पहिने देश मे बारह ठाम कुंभ के आयोजन होएत छल. चूंकि एक ठाम बारह साल बाद कुंभ होएत अछि एहि लेल हर साल हर ठाम कुंभ के आयोजन होएत छल आओर देश के हर भाग मे हर साल संत-महात्मा... महापुरुष लोकनि के सभा...संगम संगत होएत छल. जेहि मे देश-दुनिया के शांति...कल्याणक चर्चा होएत छल.
बिरला मंदिर वाटिका मे संत समागम
आब सिमरिया मे सेहो हर 6 साल पर अर्द्ध कुंभ आओर बारह साल पर पूर्ण कुंभ लागत. एहि साल अक्तूबर मे अर्द्ध कुंभ लागत. अर्द्धकुंभ 17 अक्तूबर सं 18 नवंबर तक लागत. पूर्ण कुंभ एकर 6 साल बाद 2017 मे लागत. पौराणिक कथा के मुताबिक जेहिठाम अमृत बांटल गेल छल ओ स्थान समृता यानी सिमरिया छल.

सिमरिया मे फेर सं कुंभ के घोषणा रवि दिन दिल्ली के बिरला मंदिर वाटिका मे एकटा राष्ट्रीय संगोष्ठी मे कएल गेल. एहि राष्ट्रीय संगोष्ठी के आयोजन गुरूजी के अखिल भारतीय सर्वमंगला चिंताहरणी धाम आश्रम सिमरिया के तरफ सं कएल गेल छल.एहि के संत-महात्मा के संग कइटा गणमान्य व्यक्ति शामिल भेलाह. सभ अपन-अपन विचार सेहो राखलखिन्ह.

प्रयाग पीठाधीश्वर जगतगुरु शिवमंगल दास जी महाराज कहलखिन्ह जे कुंभ परंपरा के शुरूआत सिमरिया सं भेल छल. देश मे व्याप्त दस तरहक अव्यवस्था पर वार करैत ओ इहो कहलखिन्ह जे आब संत समाज के आगां आबय पड़तन्हि. संगोष्ठी मे गोविंदाचार्य जी सेहो आएल छलाह आओर ओ लोक सभ के कुंभ के महत्व के बारे मे बतौलखिन्ह.

संगोष्ठी मे महामंडलेश्वर रमते जोगी जी महाराज, ताराचंडी पीठाधीश्वर अंजनेश जी महाराज, आचार्य प्रमोद कृष्णन कल्कि जी महराज, स्वामी गणेशनंद जी महाराज, पूर्व केंद्रीय मंत्री अखिलेश सिंह, हिन्दू महासभा के अध्यक्ष चन्द्र प्रकाश कौशिक, गाँधी शांति प्रतिष्ठान के सचिव सुरेन्द्र कुमार सहित कइटा गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह.
सिमरिया कुंभ पर राष्ट्रीय संगोष्ठी
बिहार सरकार के तरफ सं सेहो कुंभ के अवसर पर मेला के आयोजन कएल जाएत आओर लोक के कोनो दिक्कत परेशानी नहि होए एकर इंतजाम कएल जाएत. कुंभ सं स्थानीय लोक के रोजगार के अवसर सेहो मिलतन्हि. गुरुजीक तरफ सं अहां सभ लोक के न्योत सेहो देल गेलन्हि जे सभ लोकनि एहि अर्द्धकुंभ मे कार्तिक मास मे सिमरिया जरूर आउ.

संगोष्ठी काफी सफल रहल...आओर आब बिहार...मिथिलाक...सिमरियाक कुंभ के सफल बनाबय के जिम्मेदारी अहां सभ पर अछि. अहां सभ लोकनि एकर सफलताक लेल जी-जान सं जुटि जाउ. मिथिलाक पाग एक बेर फेर सं ऊपर उठा दिऔ.

एहि संगोष्ठी के एकटा खास आकर्षण श्याम किशोर सहाय जी सेहो रहलाह. श्याम जी सहारा समय न्यूज़ चैनल सं जुड़ल छथिन्ह आओर हुनकर कार्यक्रम संचालन के जतेक प्रशंसा कएल जाए कम होएत. कार्यक्रम सं हुनकर प्रबंधन क्षमता सेहो लोक के सामने अएलन्हि. आओर जेना ओ एकरा नीक सं निभैलखिन्ह उम्मीद अछि कुंभ के संचालन सेहो नीक सं होएत. जय मिथिला...जय बिहार
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर