नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मिथिला विश्वविद्यालय मे मैथिली अकादमीक स्टॉल

दरभंगा मे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय कैम्पस मे मैथिली अकादमी पटना के स्टॉल खुलत. कैम्पस मे स्टॉल... विक्रय केंद्र खोलय लेल विश्वविद्यालय के तरफ सं अकादमी के मुफ्त मे जगह देल जाएत. अकादमी सं कोनो किराया नहि लेल जाएत.

विश्वविद्यालय के एहि प्रस्ताव सं खुश भ मैथिली अकादमी पटना कैम्पस मे जल्दीए अपन विक्रय केन्द्र खोलय लेल तैयार भ गेल. एहि सं मैथिली प्रेमी के
बड़ फायदा मिलतन्हि. अखन मैथिली साहित्य ...कथा-पिहानी... पोथी खरीदय मे लोक के बड़ दिक्कत होए छनि.

कहय लेल त दरभंगा एक तरहे मिथिलाक आधुनिक राजधानी अछि. मुदा दस दोकान ताकब त एकटा मे दू-चारिटा मैथिलीक किताब ... पोथी मिलत. मन लायक पोथी त कहिओ नहि मिलत. जे ताकब से नहि मिलत.

एहि बात पर मिथिला राज्य के लेल संघर्ष करय वाला स्वयंभू नेता सभ के विचार करबाक चाही. नहि कोनो ढंग केर पेपर...  नहि कोनो टीवी...नहि बैनर-पोस्टर आओर चाही राज्य?

सबभ पैघ सवाल अछि मैथिली बोलय वाला कतेक लोक मैथिली लिखय जानय छथिन्ह? पढ़ाई-लिखाई त होएते नहि अछि आओर चाही राज्य ? सभ मंत्री... मुख्यमंत्री बनय चाहय छथिन्ह. मुदा धरना पर बैसय के अलावा किछ नहि करताह.

मिथिला इलाका मे एकोटा एहन दोकान नहि अछि जतय सिर्फ मैथिलीक पोथी मिलैत होए. एहन मे मैथिली अकादमी पटना के ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे विक्रय केन्द्र खोलय के फैसला काफी नीक कहल जा सकैत अछि. हेलो मिथिलाक तरफ सं सभ के बधाई.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

1 टिप्पणी:

  1. santoshjha_7711's message in hindi -
    हितेन्द्रा जी नमस्कार,
    हम हेलो मिथिला के नियमित पाठक छि, अहं बड्ड निक समाचार सब लिखेत छि ते लेल धन्यबाद. मुदा 5-7 दिन स पढ़ई मे बड्ड दिक्कत भ रहाल अछि कारण जे हिन्दी के फ़ौंट टूटी के ओ गारबेज़ वेलु देखब् लगेत अछि ज भ सके ते एकर सुधार करू
    धन्यबाद
    संतोष कुमार झा

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु