नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नीतीश जीक पास उठल दरभंगा एसडीओ मामला

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुध दिन दिल्ली मे छलाह. दिल्ली मे ओ प्रधानमंत्री संग कइटा नेता...मंत्री सभ सं मिललाह. दिन मे लंच के समय ओ प्रेस क्लब ऑफ इंडिया मे छलाह. एहिठाम प्रेस क्लब के तरफ सं प्रेस से मिलिए कार्यक्रम राखल गेल छल.

मुख्यमंत्री एहिठाम देश-दुनिया के तमाम मसला पर चर्चा करलखिन्ह. पत्रकारक सवाल के जवाब देलखिन्ह. एहि मौका पर प्रेस क्लब के तरफ सं मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीके एकटा ज्ञापन सेहो सौंपल गेल.

मुख्यमंत्री जीक सौंपल गेल ज्ञापन मे दरभंगा मे पत्रकार के संग एसडीओ के
दुर्व्यवहार केर मामला उठाएल गेल. मुख्यमंत्री जी पत्रकार सभ के एहि मामला देखय के आश्वासन देलखिन्ह.

प्रेस क्लब अध्यक्ष के संग नीतीश कुमार
दरभंगा के एसडीओ संजय कुमार सिंह 26 जनवरी के गणतंत्र दिवस के दिन इलाका के वरिष्ठ पत्रकार सभ के संग दुर्व्यवहार कएने छलखिन्ह. एहि के बाद दरभंगा के पत्रकार सभ काला दिवस सेहो मना एसडीओ के खिलाफ मार्च निकालने छलखिन्ह.

एहि मामला मे दरभंगा के नगर निगम आयुक्त के अध्यक्षता मे एकटा समिति बनाएल गेल अछि. नगर आयुक्त जांच शुरु करि देने छथिन्ह. समारोह मे शामिल पत्रकार सभ सं सेहो पूछताछ कएल गेल अछि.

आब जखन दिल्ली मे प्रेस क्लब के तरफ सं मुख्यमंत्री के सामने एहि मामला के उठाएल गेल अछि त उम्मीद अछि जे जल्दीए किछ न किछ निकलि क जरूर आएत.

अहां सभ के बता दिअ जे दिल्ली मे प्रेस क्लब ऑफ इंडिया के बहुत रास सदस्य दरभंगा के छथिन्ह जेहि मे हमहुं शामिल छी... आओर अखन से ट्रेजरर छथिन्ह नदीम काजमी जी ओ सेहो दरभंगे के छथिन्ह.
नीतीश जीक संग  प्रेस क्लब के नदीम काजमी आओर रामचंद्रन जी
एनडीटीवी के पत्रकार नदीम अहमद काजमी जी दरभंगा मामला के संग रूपम- केसरी मामला मे पूर्णिया के पत्रकार नवलेश पाठक के परेशान करय के मामला सेहो उठौलखिन्ह.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

2 टिप्‍पणियां:

  1. Patrakar sab je Navlesh Pathak ke mamla seho otbahi tatparta sai othaithin jena Darbhanga SDO ke mamla uthelkhin...tai sayad e sawal nai moun mein abait ...je eke biradari mein etek antur..................

    Kumar Kali Bhushan
    Mumbai-Keoti

    जवाब देंहटाएं
  2. आलोक पुंज :
    वाह ...बधाई के पात्र है हमारे दिल्ली के पत्रकार बंधू जिन्हें दरभंगा के पत्रकारों के दर्द का एहसास है...देखे अब नितीश जी एस डी ओ पर क्या कारवाई का आदेश देते है...क्योकि जांच होने के बाद भी अभी तक कोई फैसला नहीं आया है ....

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु