नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

फेर ठगाएल बिहार

एहि बेर फेर ठगाएल बिहार. रेल मंत्री ममता बनर्जी एक बेर फेर सं बिहार के झुनझुना थमा देलीह. ममता जी अपन राज्य पश्चिम बंगाल पर तं जमि कs मेहरबानी करलीह मुदा बिहारक अनदेखी करय मे कोनो कोर-कसर नहि छोड़लीह.

विधानसभा चुनाव के देखैत बंगाल मे जतय रेलक प्रोजेक्टक बरसात करि देल गेल ओतय बिहार सं एकदम सं मुंह फेर लेल गेल. रेल बजट सं पहिने पटना मे बिहारक
सांसद सभ के संग बैसार सेहो कएल गेल छल मुदा ओकरो कोनो असर नहि पड़ल.

बिहार के लेल जे नवका ट्रेन देल गेल अछि ओहि मे हावड़ा-दरभंगा एक्सप्रेस... हैदराबाद-दरभंगा एक्सप्रेस साप्ताहिक अछि डे मूरी...झारसुगुड़ा...नागपुर भsक चलत... सहरसा-पटना इंटरसिटी एक्सप्रेस ... शालीमार(बंगाल)- पटना के बीच एसी दुरंतो... सासाराम -दिल्ली एक्सप्रेस शामिल अछि.


पर्यटन के बढ़ावा देबय लेल जन्मभूमि गौरव नाम सं ट्रेन चलाएल जाएत. एहि मे एकटा ट्रेन बिहार मे खाता मे आएल अछि ई ट्रेन हावड़ा सं बोलपुर... राजगीर... पटना... वाराणसी होएत गया आएत फेर एहिठाम सं वापस हावड़ा चलि जाएत.

एकरे संग एक भागलपुर सं अजमेर के लेल एकटा ट्रेन मिलल अछि. अजमेर-किशनगंज एक्सप्रेस के न्यू जल्पाईगुड़ी तक बढ़ा देल गेल अछि.

एकर अलावा किछ ट्रेन बिहार भsक गुजरत. जेहि मे सं एकटा आसनसोल-गोरखपुर एक्सप्रेस अछि जे छपरा-सीवान भsक चलत.

एकरे संग निजामुद्दीन- बापूधाम मोतिहारी एक्सप्रेस मुजफ्फरपुर तक... जम्मूतवी-सोनपुर एक्सप्रेस सेहो मुजफ्फरपुर तक... हाजीपुर-फूलवरिया पैसेंजर बथुआ बाजार तक... आओर हाजीपुर-थावे पैसेंजर कप्तानगंज तक बढ़ाएक गेल अछि.

आरजेडी सांसद आओर पूर्व रेल मंत्री लालू यादव ममता जी के बिहार के अनदेखी करय पर टोकबो करलखिन्ह मुदा ओहि टाइम रेलमंत्री के बजट पेश करय के कारण हुनका शांत होए पड़लन्हि.

बजट सं पहिने मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी सेहो ममता बनर्जी के चिट्ठी लिख किछ ट्रेनक मांग करने छलखिन्ह. मुदा लगैत अछि ममता जी ओहि पत्र के फाड़ि डस्टबिन मे फेंक देलीह.

हम अहां सभ के पहिनहुं कहने छलहुं जे अपन-अपन एमपी... एमएलए पर दबाव बनाउ. लगैत अछि अहां सभ सेहो अपना-अपना इलाका लेल...नवका ट्रेन...प्रोजेक्ट लेल एमपी-एमएलए सं सम्पर्क नहि करलौं.

सांसद-विधायक जी सेहो सुतल रहलाह. लोकतंत्र मे सुतल रहला पर एहने अनदेखी होएत अछि. आब जे नियति अछि ओकरा के बदलत? ठेलम-ठेल रेल मे चढय मे मजा आबैत अछि त दोसर कि करत?
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com





99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु