नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहारक कइटा ट्रेन आब आनंद विहार सं

दिल्ली... नई दिल्ली आओर हजरत निजामुद्दीन सं चलय वाला कइटा ट्रेन आब आनंद विहार रेलवे स्टेशन सं खुलत. एहिना बिहार दिस सं आबय वाला ट्रेन आनंद विहार रेलवे स्टेशन तक आएत. नई दिल्ली... दिल्ली आओर हजरत निजामुद्दीन स्टेशन पर भीड़ कम करय लेल ऐना कएल गेल अछि. आब स्टेशन पर जाए सं पहिने पता करि लेब जे ट्रेन कतs सं खुलत.

नहि तं अगिला किछ दिन तक घर सं कम सं कम घंटा भर पहिने स्टेशन पहुंचय के कोशिश करब. अखन किछ आओर ट्रेनक टाइम टेबल मे बदलाव होएत. एहि सं नोएडा... गाजियाबाद... दिस रहय वाला लोक के आब नई दिल्ली दस जाए के जरूरत नहि पड़तन्हि. मुदा रोहिणी...
द्वारका... धौलाकुआं...फरीदाबाद दिस रहय वाला लोक के परेशानी किछ बढ़ि जएतन्हि.

रेलवे के कोशिश बिहार तरफ जाए वाला बेसि ट्रेन के एहि ठाम सं खोलय आओर एहिठाम खत्म करय के अछि. मंगल दिन 8 तारीख सं जयनगर-निजामुद्दीन गरीब रथ एक्सप्रेस...12569 आओर 12570 आनंद विहार सं खुलत आओर एहिठाम तक आएत. पहिने ई हजरत निजामुद्दीन सं खुलैत छल. स्टेशन जाए सं पहिने 139 पर फोन क सकय छी.

एहिना 9 फरवरी सं राजेन्द्रनगर हजरत निजामुद्दीन गरीब रथ एक्सप्रेस 12353 आओर 12354 सेहो आनंद विहार सं खुलत. बिहार वाला दूनु गरीब रथ आनंद विहार सं खुलत. 9 तारीख सं नई दिल्ली आओर गुवाहाटी के बीच चलय वाला नॉर्थ ईस्ट एक्सप्रेस ...यानी एनई...12505 आओर 12506 सेहो एहिठाम सं खुलत.

रेलवे के कोशिश मगध एक्सप्रेस...12401 आओर 12402 के सेहो आनंद विहार सं शुरू करय के अछि. मगध एक्सप्रेस के तारीख के घोषणा अखन नहि भेल अछि. मुदा उम्मीद कएल जा रहल अछि जे रेलवे के तरफ सं जल्दीए एहि बारे मे कोनो घोषणा कएल जाएत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु