नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आब नंबर नहि ऑपरेटर बदलु

मोबाइल फोन के लेल मोबाइल नंबर पोर्टेबिलिटी सेवा शुरू भ गेल अछि. अगर अहां अपन ऑपरेटर सं खुश नहि छी... ओकर पैकेज सं परेशान छी... दोसर ऑपरेटर बदलए चाहय छी तं आब नया नंबर लेबय के झंझट खत्म भ गेल अछि.

आब अहां बिना नंबर चेंज कएने दोसर ऑपरेटर के पास जा सकय छी. आब अहां एयरटेल... वोडाफोन... आइडिया... रिलायंस... एयरसेल... बीएसएनएल... एमटीएनएल जैसन दोसर ऑपरेटर के नंबर
अदलि-बदलि सकय छी.

मुदा एकरा लेल अहां के 19 टका खर्च करय पड़त. संगहि-संग अहांक नंबर कम सं कम तीन मास पुरान जरूर होबाक चाही. एहि मे अहां के करीब हफ्ता भर समय लगि सकैत अछि. ई सुविधा प्रीपेड आओर पोस्टपेड दूनु के लेल अछि.

एहि के लेल अहां के 1900 नंबर पर एकटा एसएमएस भेजए पड़त. एसएमएस मे PORT <स्पेस> अपन मोबाइल नंबर लिख क भेजय पड़त. भेजला के तुरंत बाद अहां के एकटा मैसेज मिलत जेहि मे 8 नंबर के एकटा कोड मिलत.
एहि यूनीक पोर्टिंग कोड... यूपीसी के लsक अहां के नवका ऑपरेटर के पास जाए पड़त. ओहि ठाम एकटा फॉर्म भरए पड़त. ओहि मे नाम... पता के सभ जानकारी के संग ई कोड भरनाय जरूरी अछि.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु