नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पटना मे सेहो गंगा आरती

बनारस मे बड़ भव्य गंगा आरती होएत अछि. एकरा देखय लेल दूर-दूर सं लोक सभ आबय छथिन्ह. विदेशी पर्यटक सभ सेहो आबैत अछि. एकदम सं रंगारंग माहौल रहैत अछि. चहल-पहल बनल रहैत अछि.

बनारस मे होए वाला गंगा दशहरा... गंगा आरती के देखय छलहुं त कई बेर मन मे होए छल जे एहन पटना मे गंगा कात किएक नहि होएत अछि ? काशी...बनारस के धार्मिक महत्व के देखैत एहि सवाल
के मन मे दबा दैत छलहुं.

बनारस केर गंगा आरती
मुदा जखन ई पता चलल जे बिहार सरकार एहि पर गंभीर अछि आओर पटना मे सेहो गंगा आरती शुरू करय जा रहल अछि त मन खुशी सं झूमि उठल. पटना के लेल ई नीक कदम अछि. सरकार के एहि के लेल बधाई.

एहि सं पटना मे पर्यटक सभ के संख्या बढ़त. बोधगया... राजगीर आबय वाला विदेशी पर्यटक के पटना आबय के एकटा आओर बहाना मिलि जएतन्हि. पर्यटक के गोलघर... हरमंदिर साहेब... पटनदेवी... खुदाबक्श लाइब्रेरी... महावीर मंदिर... म्यूजियम... तारामंडल... चिड़ियाघर... फ्लोटिंग रेस्ट्रां के संग गंगा आरती देखय के ऑप्शन सेहो मिलि जएतन्हि.
बनारस केर गंगा आरती
एक दिन पहिनहि खबर मिलल छल जे राज्य सरकार केंद्र के पास गंगा कात के विकास के लेल एकटा प्रस्ताव भेजने अछि. केंद्र ओहि मे किछ बदलाव करय लेल कहलक अछि. अगर ओ पास भ जाएत त पटना मुम्बई जकां चमैक जाएत.

सरकार के कोशिश पटना मे 10-12 किलोमीटर के गंगा कात के चमकाबय के अछि. किलोमीटर के लsक अखन किछ दिक्कत अछि. ई फरछिआ गेलाह के बाद घाट के सुन्दर बनाबय के काज शुरू भ जाएत.

अगर सभ किछ नीक रहल... कोनो अड़चन नहि आएल त अगिला मास सं गंगा आरती शुरू भ जाएत. आरती करय के लेल सरकार तरफ सं ट्रेनिंग सेहो देल जाएत. बाद मे सांस्कृतिक कार्यक्रम सभ सेहो होएत.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु