दरभंगा पत्रकार मामला के जांच होएत

दरभंगा मे पत्रकार सभ के संग दुर्व्यवहार मामला मे एकटा जांच समिति बना देल गेल अछि. इलाका के पत्रकार सभके संग पटना-दिल्ली आओर दोसर ठामक पत्रकार सभके विरोध के देखैत प्रशासन के मामला के जांच कराबय लेल विवश होए पड़ल.

दरभंगा के एसडीओ के खिलाफ ई जांच नगर निगम आयुक्त श्री लक्ष्मेश्वर झा जीक अध्यक्षता मे होएत. एहि मामला मे दरभंगा के डीएम के तरफ सं एकटा पत्र नगर आयुक्त के पठाएल गेल छनि. पत्रांक 195 दिनांक 28-01-2011 के पत्र मे जांच के रिपोर्ट
जल्द सं जल्द सौंपय के बात कहल गेल अछि.

स्थानीय पत्रकार सभ के कहनाय छनि जे शहर मे एसडीओ के खिलाफ माहौल बनैत देख मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी एहि बारे मे जांच कराबय के आदेश डीएम साहेब के देलखिन्ह... जेहि पर ओ ई कदम उठौलखिन्ह. चलु आखिर डीएम साहेब जगलाह तं.

एम्हर पत्रकार सभ के संग एसडीओ के दुर्व्यवहार मामला पर इलाका के प्रतिनिधि... नेता सभ सेहो खेद प्रकट करलखिन्ह. एहि मामला पर एसडीओ के निंदा करैत हुनका सभ के कहनाय छलन्हि जे जखन पत्रकार के संग हुनकर एहन बर्ताव छनि तं आम आदमी के तकलीफ अहां समझि सकय छी.

मामला 26 जनवरी गणतंत्र दिवस समारोह के अछि जेहि मे दरभंगा के एसडीओ संजय कुमार सिंह शहर के सीनियर पत्रकार सभ के संग दुर्व्यवहार कएने छलाह. एकर विरोध मे पत्रकार सभ अगिला दिन काला दिवस मनौने छलखिन्ह.
एहि मामला पर फेसबुक पर सेहो बड़का अभियान चलि रहल अछि. एसडीओ साहेब के खिलाफ माहौल बनि गेल छनि. देश के कइटा सीनीयर पत्रकार एहि पर अपन रोष जतौलखिन्ह.

पूरा जानकारी के लेल एकरा क्लिक करु.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

99 Labels-Men
*
99 Lebals-Women
*
Deals 4 You
*
SnapDeal- Deal of the day

Comments

Popular posts from this blog

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

हमर विआह- 8

पूर्णिया मे सुखोई

कि इहे सभागाछी अछि ?

ट्विटर स्पेस: वर्तमान राजनीतिक अवस्था मे मिथिला के जनजीवन आ पंचायती राज व्यवस्था पर भेल चर्चा

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

अलग मिथिला राज्य केर मांग भेल तेज, देखु जंतर-मंतर प्रदर्शन केर फोटो