नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा सं मुम्बई के लेल नवका ट्रेन

दरभंगा सं मुम्बई लोकमान्य तिलक टर्मिनस के लेल एकटा नवका ट्रेन मिलल अछि. एहि ट्रेनक नाम अछि कर्मभूमि एक्सप्रेस आओर नंबर अछि 12545 आओर 12546. एहि ट्रेन के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पटना सं 25 तारीख के रिमोट कंट्रोल सं शुरू करथिन्ह.

एहि ट्रेन के चलला सं मुम्बई रूट पर यात्रा करय वाला लोक के सुविधा होएतन्हि. अखन तक खबर के अनुसार ई ट्रेन कर्मभूमि एक्सप्रेस दरभंगा सं
गुरुवार के खुलि क शनिदिन लोकमान्य तिलक टर्मिनस मुम्बई पहुंचत. मुदा एहि मे फेरबदल संभव अछि.

मुम्बई दिस जाए सं पहिने आ फेर यात्रा करय सं पहिने एक बेर स्टेशन सं एकर टाइम के पता क लेब. एक बेर कर्मभूमि एक्सप्रेस चलनाय शुरू भ जाएत त फेर सही टाइम टेबल सेहो आबि जाएत.

ओना दरभंगा सं एकर खुलय के टाइम अछि 20:35 यानी राति के आठ बजिSक पैंतीस मिनट पर. ई ट्रेन समस्तीपुर... बरौनी... पटना... मुगलसराय... इलाहाबाद... कटनी... जबलपुर... इटारसी... खांडवा... भूसाबल... मनमाड... कल्याण होएत लोकमान्य तिलक टर्मिनस मुम्बई पहुंचत.

जखन कि लोकमान्य तिलक टर्मिनस मुम्बई सं सोमदिन खुलि मंगल के दरभंगा के पहुंचत. लोकमान्य तिलक टर्मिनस मुम्बई सं ई 11:20 मे खुलि दरभंगा मंगल दिन राति मे 21:10 पर पहुंचत. एहि ट्रेन मे पैंट्रीकार नहि अछि.

कर्मभूमि एक्सप्रेस दरभंगा से मुम्बई के लेल दोसर ट्रेन अछि. दरभंगा से मुम्बई के लेल पवन एक्सप्रेस ट्रेन सेहो चलैत अछि. ट्रेन के नंबर अछि 11065 आओर 11066 अछि. ई लोकमान्य तिलक टर्मिनस मुम्बई सं रवि...मंगल आओर गुरूवार के 12:15 बजे खुलैत अछि

दरभंगा सं पवन एक्सप्रेस मंगल... वृहस्पति आओर शनि दिन खुलैत अछि. मुदा पवन एक्सप्रेस के स्टॉपेज किछ बेसि अछि. कर्मभूमि एक्सप्रेस एकरा सं पांच घंटा पहिने पहुंचत. एहि हिसाब सं कहल जा सकैत अछि जे मुम्बई के लेल एकटा नीक ट्रेन शुरू भ रहल अछि.


Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

3 टिप्‍पणियां:

  1. Bahut nik samachar.....

    Kumar Kali Bhushan
    Mumbai-Keoti

    जवाब देंहटाएं
  2. अहांके लेल नीक रहत. आब गाम आबय लेल टिकट नहि मिलय के बहाना नहि चलत.

    जवाब देंहटाएं
  3. ई ट्रेन फिलहाल हफ्ता मे एक दिन दिन चलत आओर एहि मे सभ डिब्बा अनारक्षित रहत.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु