नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

विकास... बिजली आओर बिहार...

विकास के नाम पर बिहार के लोक नीतीश जीके दोबारा चुनलखिन्ह. भारी मत सं वापस लैलखिन्ह. मुदा आब जखन नीतीश जी विकासक बात करि रहल छथिन्ह त विरोध भ रहल अछि.

ई कि भ रहल अछि बिहार मे? कि अहां बिहार के फेर सं बैक गियर मे ल जाए चाहय छी? कि पिछड़ापन मे रहय के कारण विकास काटय दौड़ैत अछि? कि ओतेक दिन सं अन्हार मे रहय के कारण इजोत नीक नहि लगैत अछि? आंखि चौंन्हिआ
जा रहल अछि?

अखन देश-दुनिया भर मे बिहार के लsक जे लोक के मानसिकता बदलि रहल अछि ओ कि अहां के नीक नहि लगैत अछि? कि अहां चाहैत छी जे दुनिया अहां के बिहारी कहि के ताना मारैत रहय?

अगर नहि बिहार के नाम दुनिया सम्मान सं लए तकरा लेल अहां के अपन सोच सेहो बदलय पड़त. मुख्यमंत्री जीक विकास के काज के समर्थन करय पड़त. किछ दिक्कत अछि त मिल-बैसि क सुलझा लिअ.

औरंगाबाद जिला के नवीनगर मे एनटीपीसी के सहयोग सं 1980 मेगावाट के तीनटा पावर स्टेशन लगय वाला अछि. ई सरकारी... गैरमजरुआ जमीन पर बनय वाला अछि. मुदा एहि जमीन पर कब्जा कएने लोक सभ मुआवजा के नाम पर अड़ंगा लगा रहल छथिन्ह.

सरकार नवीनगर आओर बारुण के एहि लेल चुनलल किएक त एहिठाम सरकारी जमीन काफी ज्यादा छल. सरकार एहिठाम के रेट सं करीब ढाई गुना बेसि मुआवजा देबय लेल तैयार सेहो भ गेलमुदा जखन लोक के पता लगलन्हि जे मुआवजा मिलत त ओ अपन-अपन जमीन रेट बढ़ा देलखिन्ह.

हो-हंगामा करय लागलाह... ट्रेन तक मे आगि लगा देलखिन्ह. पुलिस कार्रवाई मे 25 लोक घायल सेहो भेलाह. लोक के कहनाय अछि जे सरकार जबरदस्ती जमीन पर कब्जा करि रहल अछि. एहि के लsक इलाका मे तनाव बनल अछि.

एहि के लsक राजनीति सेहो शुरू भ गेल अछि. चुनाव मे मात खाएल पार्टी सभ के लेल राजनीति चमकाबय के ई नीक मौका छनि. लोक सभ के भड़काएल जा रहल अछि. धरना-प्रदर्शन के काज शुरू भ गेल अछि.

प्रशासन के कहनाय अछि जे एहिठाम अंकरोहा गाम के लोक जेहि 954 एकड़ जमीन के मुआवजा मांगय छथिन्ह ओ गैरमजरूआ अछि आओर एहि पर कोन हिसाब सं मुआवजा देल जाएत.

मुख्यमंत्री जीक सेहो कहनाय छनि जे आखिर मुआवजा देल जाए त ककरा? मुआवजा त जमीन मालिक के देल जाएत. मगर अगर ओ जमीन सरकारी अछि... गैरमजरुआ अछि त मुआवजा ककरा?

मुख्यमंत्री त इहो कहलखिन्ह जे लोक फैसला करथु जे हुनका कि चाही अंधकार या प्रकाश. ई जमीन कोनो प्राइवेट कंपनी के फायदा पहुंचाबय लेल नहि लेल जा रहल अछि. ई ओहि लेल... लेल जा रहल अछि जकर अहां सभ के सभ सं बेसि जरूरत अछि.

आ ओ चीज अछि बिजली. आजुक आधुनिक युग मे बिजली के बिना विकास के किरण पहुंचनाए असंभव अछि. विकास के मुद्दा पर नीतीश जीक सहयोग करिऔ. एहि मुद्दा पर किछ लोक सरकार के बदनाम करय लेल दस तरहक खेल खेलत. एहि सं बचि ते रहय के जरूरत अछि.

अपना सभ आब एहन स्थिति मे छी जे पाछां जनाय मुश्किल अछि. आगां बढ़हें पड़त. बिहार के लोक पर अखन पूरा देश-दुनिया के नजर अछि. अहांक नवका पीढ़ी विकास के राह ताकी रहल अछि. अपन नहि त भविष्य केर चिंता करु. बिहारके चिंता करु.

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


1 टिप्पणी:

  1. ha e t nik aat nai chhai leki nitish ji ke auragaad me dikkat hoi chhain t mithila me kiyek ai jai chhathi ki mithila adhi jetay aga tahi karan s eh sa mansikta mithila ke pichhra pan ke karan chhai gunah karai ye dosri bhugtay ye mithila ala sab. itish ji ke ekra mithila me la jek chahi kara otay pai s bijli banenay asan hetay muda jeta katau or jai nitish bhagwan ki e aab bihar ke enland bana delta pchhla panch saal me t america bani gel aab englend bani jayat takhan mithila ke viksh karta vote dai jiyau hum sab iit, iim, medical . engineering.mgt or je kono karya krta se mithila s alag bhay k anand jha

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु