देशक महान साहित्यकार.. रचनाकार फणीश्वर नाथ रेणु जीक पत्नी लतिका रेणु जी एहि दुनिया मे नहि रहलीह. आई भोर 9 बजे हुनकर निधन भ गेलन्हि.
Padma Renu and Latika Renuji |
श्रीमती लतिका जी 90 साल के छलीह. हिनकर देहांत फणीश्वर नाथ जीक पैतृक घर पर हृदयगति
रुकला सं भेलन्हि. अररिया जिला के फारबिसगंज ब्लॉक मे सिमराहा थाना के औराही हिंगना गाम रेणु जीक पैतृक गाम छनि. फणीश्वर जीके तीनटा शादी भेल छलन्हि. पहिल शादी त चौदहवें बरस मे भ गेल छलन्हि. हुनकर मृत्यु के बाद पद्मा जी सं हिनकर विवाह भेलन्हि. फेर लतिका जी सं. फणीश्वरजीके तीनटा लड़का आओर चारिटा लड़की छनि.
फणीश्वर नाथ रेणु जी जखन 1953 मे बीमार पड़ल छलखिन्ह त इलाज के लेल हुनका पटना के पीएमसीएच लाएल गेल छलन्हि. एहिठाम इलाज के दौरान हिनकर भेंट लतिका जी सं भेलन्हि.
पद्मा आओर लतिका जीक संग नीतीश जी |
लतिका जी एहिठाम नर्स छलीह. इलाज के दौरान भेंट ...मुलाकात मे रेणु जी अपन सभ सं प्रसिद्ध किताब मैला आंचल लिखलखिन्ह.
मैला आंचल किताब के श्रेय लतिकाजी के जाए छनि. एकर बाद दूनु मे नजदीकी बढलन्हि आओर साल भर बाद 1954मे दूनु गोटे शादी करि लेलखिन्ह.
रेणु जीक पुत्र आओर पत्नी संग मुख्यमंत्री |
लतिका जी साल-डेढ़ साल सं बीमार चलि रहल छलीह...आओर करीब साल भर पहिने पटना सं औराही हिंगना गाम आएल छलीह .
फणीश्वरनाथ रेणु जीक जन्म ४ मार्च 1921 के आओर निधन ११ अप्रैल 1977 के भेल छलन्हि. हिन्दी कथा जगत मे प्रेमचंद के बाद आंचलिकता केर असर हिनके कहानी मे देखय लेल मिलैत अछि.
हिनकर कहानी मारे गये गुलफाम पर तीसरी कसम फिल्म बनल अछि. रेणु जी के पद्मश्री सम्मान सेहो मिलल छनि.
फणीश्वरनाथ रेणु जीक जन्म ४ मार्च 1921 के आओर निधन ११ अप्रैल 1977 के भेल छलन्हि. हिन्दी कथा जगत मे प्रेमचंद के बाद आंचलिकता केर असर हिनके कहानी मे देखय लेल मिलैत अछि.
हिनकर कहानी मारे गये गुलफाम पर तीसरी कसम फिल्म बनल अछि. रेणु जी के पद्मश्री सम्मान सेहो मिलल छनि.
(फोटो सौजन्य : फणीश्वरनाथ रेणु समाज सेवा संस्थान )
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु