साइंस कान्फ्रेंस मुजफ्फरपुर मे

मुजफ्फरपुर के एलएस कॉलेज मे 11 फरवरी सं बिहार साइंस कान्फ्रेंस होएत. एहि कान्फ्रेंस मे देश-विदेशक हजारों वैज्ञानिक...विद्धान भाग लेताह. ई राज्य मे होए वाला चारिम साइंस कान्फ्रेंस अछि.

एहि कान्फ्रेंसक उद्घाटन भाषण नोबल पुरस्कार विजेता डॉ आर के पचौरी
देथिन्ह. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो मौजूद रहथिन्ह. राज्य मे विज्ञान...रिसर्च के बढ़ावा देबय आओर एहि तरहक माहौल बनाबय लेल कान्फ्रेंस शुरू कएल गेल छल.
पिछला साइंस कान्फ्रेंस
विज्ञान के क्षेत्र मे ई नीक कदम कहल जा सकैत अछि. एहि सं राज्य के विज्ञानप्रेमी विद्वान...छात्र के देश-विदेश के वैज्ञानिक... जानकार लोक सं मिलय... सीखय के मौका मिलय छनि. सम्पर्क बनय छनि.

ओना एहि कान्फ्रेंस के शुरू करय के श्रेय बिहार ब्रेन्स नामस संस्थाक अछि. ई संस्था एहि सं पहिने पटना साइंस कॉलेज...कॉलेज ऑफ कॉमर्स आओर गया कॉलेज मे एहन कान्फ्रेंस करा चुकल अछि.
पिछला साइंस कान्फ्रेंस
एहि कान्फ्रेंस मे बिहारक युवा वैज्ञानिक सभ अपन प्रोजेक्ट...मॉडल राखथिन्ह...ओहि पर चर्चा करथिन्ह. कान्फ्रेंस के दौरान कई तरहक सेशन सेहो राखल गेल अछि. जेहि पर चर्चा कएल जाएत.

बिहारी ब्रेन्स संस्था एहि बेर किछ वैज्ञानिक के सम्मानित करय के सेहो सोचि रहल अछि. विज्ञान के क्षेत्र मे नीक काज करय वाला... बढ़ावा देबय वाला लोक के सम्मानित कएल जाएत.

बिहार साइंस कान्फ्रेंस आओर बिहार ब्रेन्स के साइट पर डाए लेल एहि लिंक के क्लिक करु



Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

फेर अगुआ बनत बिहार

मोन मिथिले मे अछि...

जिम्मेदार के ?

दिल्ली मे सामा चकेवा

दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दरभंगा मे नवाह यज्ञ