नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

भगवान शनिदेव नामधुन नवाह यज्ञ

दरभंगा आई-काल्हि एकदम सं शनिदेवमय भ गेल अछि. साल के पहिल दिन सं एहिठाम भगवान शनिदेव के अखंड नामधुन चलि रहल अछि. जय शनिदेव... जय शनिदेव... जय शनिदेव के नामधुन सं पूरा इलाका गुंज रहल अछि.

टावर चौक के पास नगर निगम दफ्तर सं सटल अछि भगवानदास मोहल्ला
आओर अतए अछि मुसा साह स्कूल. एहिठाम चलि रहल अछि ई अखंड नामधुन यज्ञ. सरस्वती मंदिर... शनि मंदिर मे बदलल अछि. स्कूल मे दिन-राति चहल-पहल मचल अछि.

पंडाल लगाएल गेल अछि... रंग-बिरंगा बिजली झालर...रंगीन पताका सभ सेहो लगाएल गेल अछि. सभ किछ भक्तिमय भ गेल अछि. नामधुन के जाप करैत लोक एहि ठंड के एकदम सं बिसैर गेल छथिन्ह. ठंड के कोनो परवाह नहि. मंत्र के जाप करैत झूमि रहल छथिन्ह.

सिर्फ दरभंगे के नहि आस-पास के इलाका के लोक सभ सेहो आबि रहल छथिन्ह एहिठाम. माई-बहिन सभ आबि नामधुन के जाप करय छथिन्ह. दिन- राति कीर्तन मंडली के लोक सभ सेहो जाप मे लागल छथिन्ह.

ई अखंड नामधुन 10 जनवरी तक चलत. 11 तारीख के मंगल दिन बिल्टू चंचल ग्रुप के जागरण होएत. 12 तारीख के शोभा यात्रा निकालि भगवान शनिदेव जीक भव्य प्रतिमा केर विसर्जन करि देल जाएत.
 भगवान शनिदेव जीक भव्य मूर्ति बनाएल गेल अछि. भगवान रथ पर बैसल छथिन्ह आओर हुनकर रथ के हाथी खींच रहल अछि. एहि ठाम आबिते लोक एकदम सं भक्ति मे डूबि जाए छथिन्ह.

एम्हर सं गुजरय वाला लोक सभ सेहो लाउडस्पीकर पर आबय वाला नामधुन पर जय शनिदेव... जय शनिदेव जाप करय लागय छथिन्ह. नाम जपैत-जपैत मूर्ति के पास पहुंचि पूजा-अर्चना सेहो करय लागय छथिन्ह.
 एहि पूजा के कर्ताधर्ता छथिन्ह अजय मोहन प्रसाद जी. अजय जी दरभंगा मे सहारा समय के रिपोर्टर सेहो छथिन्ह. ओ हर साल भगवान शनिदेव के पूजा कराबय छथिन्ह.

एहिठाम पूजा... हवन...नामधुन... आरती... महाप्रसाद के संग भंडारा के आयोजन सेहो कएल जाएत अछि. पूजाक व्यवस्था सं स्कूलक प्रिंसिपल अवध बिहारी ठाकुर जी आओर मनोहर कुमार महतो जी सेहो जुड़ल छथिन्ह.
एहि साल एहि पूजाक महत्व एहि लेल आओर बढ़ि गेल अछि जे दुनिया के आबय वाला महाप्रलय सं बचाएल जाए. अगर अहां सभ दरभंगा मे छी आओर मौका मिलय त भगवान शनिदेव नामधुन नवाह यज्ञ मे भाग लेबय जरूर पहुंचु.


Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु