नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पू्र्णिया विधायक राजकिशोर केसरी केर हत्या...

पू्र्णिया सं बीजेपी विधायक राजकिशोर केसरी के हत्या करि देल गेल अछि. हुनकर हत्या चाकू मारि क कएल गेल अछि. चाकू मारय वाली छथीह पूर्णिया के रूपम पाठक.

रूपम पाठक पूर्णिया मे एकटा प्राइवेट स्कूल चलाबय छथीह आओर ओहि स्कूल के प्रिंसिपल सेहो छथीह. रूपम जी पिछला साल मई मे बीजेपी एमएलए पर यौन शोषण
के आरोप लगौने छलीह.

ओहि टाइम एकरा लsक काफी हंगामा भेल छल. किएक त जखन रुपम जी एकर शिकायत पुलिस के पास कएने छलीह त पुलिस मामला दर्ज करय सं आनाकानी करने छल.
बाद मे लोक के हो-हल्ला आओर हंगामा के बाद एफआईआर दर्ज भेल. चूंकि ई काफी हाई-प्रोफाइल मामला छल ताहि लेल पुलिस एकरा अनठिऔने रहल.

एहि तरहक एकटा आओर मामला दू साल पहिने सेहो उठल छल मुदा ओहि मे हिनका क्लिनचिट मिल गेल छलन्हि. मुदा एहि बेर रूपम पाठक फैसला सं पहिने हत्या करि देलखिन्ह.

लोक के त इहो कहनाय छनि जे रूपम पाठक एक बेर एमएलए साहेब के भरल लोक के बीच थापड़ि सेहो रसीद करि देने छलीह. एहि सं बीजेपी के काफी थू-थू भेल छल.

रूपम पाठक के शिकायत छलन्हि जे विधायक जी आओर हुनकर पीए हुनका संग तीस साल धरि यौन शोषण करलक. मुदा केसरी जी एकरा राजनीति सं प्रेरित बताबैत रहलखिन्ह.

केसरी जीक कहनाय छलन्हि जे ई हुनका राजनीतिक रूप सं बदनाम करय के साजिश अछि. ई हुनकर विरोधी के एकटा चाल अछि. एहि मामला पर बाद मे सुलह भ जाए के खबर सेहो आएल छल.
मुदा ई जे भेल ओ त एकदम सं उलट रहल. कहल जा रहल अछि जे रूपम पाठक हुनका सं मिलय के समय लेलीह आ मुलाकात के बाद लौटेत वक्त अपन चादर मे नुका क लs गेल चाकू सं हुनका घायल करि देलीह.

चाकू सं वार करतहि हो-हल्ला मचि गेल. लोक सभ विधायक जी के अस्पताल ल गेलखिन्ह जतय हुनका मृत घोषित करि देल गेल. एहि सं खिसिआएल लोक सभ ओहि महिला के पकड़ि जमि क पिटाई करलखिन्ह.

ओहि स्कूल टीचर महिला के हाल सेहो खराब बताएल जा रहल अछि.... पुलिस महिला के गिरफ्तार करि लेल गेल अछि.

लोक के रूपम पाठक के बारे मे सेहो कहनाय छनि जे ओ पारिवारिक विवाद सं तनाव मे रहय छथीह...आओर विवाद मे सेहो रहल छथीह.

बीजेपी विधायक राजकिशोर केसरी इलाका मे काफी लोकप्रिय छलखिन्ह. इलाका के लेल काफी काज सेहो करलखिन्ह. ई हुनकर काजे छल जे ओ लगातार चारि बेर सं विधायक बनि रहल छलाह. केसरी जीक उम्र 51 साल छलन्हि.
केसरी जी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक आओर उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी जीक करीबी सेहो मानल जाए छलखिन्ह.

मुख्यमंत्री एहि पर दुख जतौलखिन्ह आओर जांच के आदेश द देलखिन्ह. मुदा हिनका पर लागल आरोप के बाद नीतीश जी हिनका सं दूरी बना लेने छलखिन्ह.

चुनाव के समय त इहो खबर आएल छल जे मुख्यमंत्री जी जखन पूर्णिया गेल छलखिन्ह त केसरी जी के मंच सं चुपचाप हटा देल गेल छलन्हि. किएक त नीतीश जी हिनका संग मंच शेयर नहि करय चाहय छलखिन्ह.

ओना ओहि टाइम बीजेपी के उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी हिनकर बचाव कएने छलखिन्ह. आब देखिऔ एहि मामला मे कि निकलि क आबैत अछि.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु