सोमदेव जीके प्रबोध सम्मान

एहि बेरक प्रतिष्ठित प्रबोध साहित्य सम्मान मैथि‍ली साहि‍त्‍यकार सोमदेव जीके मिलतन्हि. हुनका पटना के कालिदास रंगालय मे 19 फरवरी के प्रबोध साहित्य सम्मान- 2011 सं सम्मानित कएल जएतन्हि.

स्वस्ति फाउंडेशन के तरफ मिलय वाला एहि सम्मान मे सोमदेव जीके एक लाख टका नकद आओर स्मृति चिन्ह देल जएतन्हि. सोमदेव जीक जन्म 5 मार्च 1934 के दरभंगा जिलाक बेनीपुर सबडिवीजन के दाथ गाम मे भेल छनि. ओना आब ओ लहेरियासराय के जीएन गंज मे रहय छथिन्ह.

सोमदेव जी ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के महारानी कल्याणी महाविद्यालय सं जुड़ल रहल छलखिन्ह. रिटायर भेलाह के बाद अपन समय मैथिली साहित्य मे लगौने छथिन्ह.

मैथिली विद्वान 76 वर्षीय सोमदेव जीक कइटा किताब छपि चुकल छनि. जेहि मे चारिटा कविता संग्रह...'सहस्रमुखी चौकपर'...'कालध्वनि'... 'सोम सतसइ' आओर 'सोम पदावली'... दूटा उपन्यास...'चानोदाइ' आओर 'होटल अनारकली' ... एकटा कहानी संग्रह.... 'आगि तांबूल वनमे' आओर एकटा संगीत नाट्य काव्य 'चरैवेति' शामिल अछि.

मैथिली कवि...उपन्यासकार श्री सोमदेव जीके 2001 मे यात्री चेतना पुरस्कार सेहो मिल चुकल छनि. हेलो मिथिला दिस सं सोमदेव जीके के एहि सम्मान के लेल बधाई आओर शुभकामना.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

हमर विआह-9