नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

उल्का के कोसीश्री सम्मान

झांसी की रानी टीवी सीरियल मे रानी लक्षमीबाई के बचपन केर भूमिका निभाबय वाली उल्का गुप्ता कोसी श्री सम्मान सं सम्मानित कएल गेलीह. उल्का गुप्ता सहरसा के छथीह.

सहरसा मे भेल इप्टा के एकटा कार्यक्रम मे उल्का आओर हिनकर पिता गगन गुप्ता के चांदी केर मुकुट आओर तलवार भेंट करि
 सम्मानित कएल गेलन्हि.

उल्का के पिताजी करीब 30 साल पहिने मुम्बई चलि गेल छलखिन्ह. गगन गुप्ता जी थियेटर सं जुड़ल छथिन्ह. एहि हिसाब सं अहां कहि सकय छी जे उल्का के एक्टिंग खून मे समाएल छनि.

14 साल के उल्का क्लास 9 मे छथीह. पढ़ाई के संग-संग एक्टिंग सेहो करय छथीह. शूटिंग के दौरान जखन फुरसत मिलय छनि बैग सं किताब निकालि पढ़य लागय छथीह.

जखन हिनका लक्ष्मीबाई के बचपन के रोल करय के छलन्हि त दू मास धरि घुड़सवारी... तलवारबाजी आओर संस्कृत सेहो सीखलीह. कई बेर घोड़ा सं गिर सेहो पड़लीह... चोट सेहो लगलन्हि.
उल्का के कहनाए छनि जे ओ एकटा फिल्म मे उत्तर प्रदेश के मुख्यमंत्री मायावती के बचपन के रोल करय जा रहल छथीह. उल्का सोनी के कॉमेडी सर्कस मे काम क चुकल छथीह.

हिनकर पहिल सीरियल छनि 'रेशम डांख' . एहि सीरियल मे ओ आठ साल के उम्र सं एक्टिंग शुरू कएने छलीह. जी टीवी पर हिनकर एकटा आओर सीरियल छनि 'सात फेरे' .

उल्का के एक्टिंग सं प्रेम त बड़ छैनि...मुदा पैघ भेलाह के बाद ओ कैमरा करय चाहय छथीह आ फेर एक्शन डायरेक्टर बनय चाहय छथीह. शूटिंग के बीच एहि बारे मे जानय के कोशिश करैत रहय छथीह. ओना पापा हिनका इंजीनियर के रूप मे सेहो देखय चाहय छथीन्ह.
हिनका कइटा अवार्ड सेहो मिलल छैनि. उल्का किछ दिन पहिने दिल्ली मे वूमेन एचिवर अवार्ड सं सेहो सम्मानिक कएल गेल छलीह. जी सिने अवार्ड सं सेहो सम्मानित भ चुकल छथीह. एहि अवार्ड के लेल मिथिला के लोक सभ उल्का के पक्ष मे जमि क वोटिंग कएने छलखिन्ह.

आम मैथिल के जकां उल्का के सेहो माछ भात...चिकेन...झींगा माछ पसंद छनि. गुप्ता परिवार सहरसा सं मुम्बई गेलाह के बादहुं मैथिली सं संबंध बनाक राखने छथिन्ह. हेलो मिथिलाक तरफ सं हिनका बेहतर जीवन केर शुभकामना.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु