किसानक डर सं पड़एला पदाधिकारी...

दरभंगा मे किसान भाई केर हंगामा के कारण कृषि पदाधिकारी सभ के भागय पड़लन्हि. असल मे दरभंगा के लहेरियासराय स्थित पोलो मैदान मे 21 आओर 22 दिसंबर के कृषि मेला लगाएल गेल अछि. आई पहिल दिन छल. मेला मे जिला भर के आला अधिकारी के संग सभ कृषि अधिकारी जुटल छलाह. मुदा किसान भाई लोकनि खाद...
बीज... कृषि उपकरण... सरकारी सहायता मे भ्रष्टाचार...घोटाला के नाम पर हंगामा मचा देलखिन्ह.

कृषि मेला मे दू दर्जन सं बेसि स्टॉल लगाएल गेल छल. मुदा खिसियाअल किसान लोकनि सभ स्टाल के उलैट-पलैट देलखिन्ह. हिनकर गुस्सा आओर तोड़फोड़ के देखैत सभ अफसर पड़ा गेलाह. कृषि विभाग के तरफ सं लागल वाला ई मेला काफी लोकप्रिय होएत अछि. मुदा एहि बेर रौदी... बाढ़ि आओर महंगाई के मारल किसान भाई लोकनि के गुस्सा के शिकार बनि गेल.

किसान भाई लोकनि के कहनाय छनि जे कोनो काज बिना पाई देने नहि भ रहल अछि. हर काज मे नीचा सं ऊपर तक पाई मांगल जा रहल अछि. अफसरशाही हावी भ रहल अछि.... आओर जनता पीसा रहल अछि. उम्मीद अछि किछ देर बाद किसान भाई लोकनि के समझा-बुझा... सभ किछ सामान्य करला के बाद मेला फेर सं शुरू करय के कोशिश कएल जाएत.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

सभ सं लोकप्रिय मैथिली गीत ?

हमर विआह- 8

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

कस्तूरबा गांधी विद्यालय खुलत

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

पूर्णिया मे सुखोई

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप