नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

किसानक डर सं पड़एला पदाधिकारी...

दरभंगा मे किसान भाई केर हंगामा के कारण कृषि पदाधिकारी सभ के भागय पड़लन्हि. असल मे दरभंगा के लहेरियासराय स्थित पोलो मैदान मे 21 आओर 22 दिसंबर के कृषि मेला लगाएल गेल अछि. आई पहिल दिन छल. मेला मे जिला भर के आला अधिकारी के संग सभ कृषि अधिकारी जुटल छलाह. मुदा किसान भाई लोकनि खाद...
बीज... कृषि उपकरण... सरकारी सहायता मे भ्रष्टाचार...घोटाला के नाम पर हंगामा मचा देलखिन्ह.

कृषि मेला मे दू दर्जन सं बेसि स्टॉल लगाएल गेल छल. मुदा खिसियाअल किसान लोकनि सभ स्टाल के उलैट-पलैट देलखिन्ह. हिनकर गुस्सा आओर तोड़फोड़ के देखैत सभ अफसर पड़ा गेलाह. कृषि विभाग के तरफ सं लागल वाला ई मेला काफी लोकप्रिय होएत अछि. मुदा एहि बेर रौदी... बाढ़ि आओर महंगाई के मारल किसान भाई लोकनि के गुस्सा के शिकार बनि गेल.

किसान भाई लोकनि के कहनाय छनि जे कोनो काज बिना पाई देने नहि भ रहल अछि. हर काज मे नीचा सं ऊपर तक पाई मांगल जा रहल अछि. अफसरशाही हावी भ रहल अछि.... आओर जनता पीसा रहल अछि. उम्मीद अछि किछ देर बाद किसान भाई लोकनि के समझा-बुझा... सभ किछ सामान्य करला के बाद मेला फेर सं शुरू करय के कोशिश कएल जाएत.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु