नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

विमला जीके सम्मान...

मधुबनी पेंटिंग के मशहूर कलाकार श्रीमती विमला दत्त जी उपेन्द्र महारथी शिल्प अनुसंधान संस्था के राज्य पुरस्कार सं सम्मानित होएतीह. ई सम्मान 2009-10 के लेल अछि. ई राज्य पुरस्कार हिनका श्रीकृष्ण लीला के लेल देल जाएत. जेहि मे जेल मे भगवान श्रीकृष्ण जीक जन्म... वासुदेव जीके श्रीकृष्ण जीके नदी पार कs नंद जीक घर ल जाए वाला... श्रीकृष्ण जीके चोरी क माखन खाए वाला...गोपी सभ के संग रास रचाबए वाला... गोवर्धन पर्वत के उठाबए वाला आओर राधा संग कृष्ण जीक चित्र अछि.

श्रीमती विमला जी मधुबनी के पास रांटी गाम सं छथीह. हिनका पहिनहुं कइटा पुरस्कार... सम्मान मिल चुकल छनि. मधुबनी पेंटिंग के प्रचार- प्रसारक सिलसिला मे देश-विदेश के यात्रा सेहो क चुकल छथीह. जापान मे त ओहिठाम के लड़की सभ के मिथिला पेंटिंग के ट्रेनिंग सेहो द चुकव छथीह. विमला जी अखनो बांसक करची सं चित्र बनाबय छथीह. हिनकर बनाएल कोहबर...काली...राधा-कृष्ण...गौरी-महादेव के पेंटिंग काफी नाम कमा चुकल अछि.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

2 टिप्‍पणियां:

  1. bahut gourav ka anubhaw ho raha hai vimlajee ki baaten padhkar.hum sab mithilawasiyon ka sar uncha ho gaya, unke samman se.

    जवाब देंहटाएं
  2. Ekdam sahi kahlaun Mridula jee... ee Mithila ke lel garv ke baat achhi aur desh dunia mein ehi san Mithila painting ke aur prachar prasar hoyat...

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु