नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

गंभीर रूप सं बीमार मरीज के बेहतर इलाज के लेल दरभंगा सं हवाई सेवा शुरू भ रहल अछि. ई हवाई सेवा दरभंगा सं कोलकाता के बीच शुरू होएत. एहि सेवा के शुरू करि रहल अछि कोलकाता के मेडिका सुपर स्पेशलिटी अस्पताल. एकरा लेल मेडिका सुपर स्पेशलिटी अस्पताल दरभंगा मे अपन एकटा केंद्र खोलत. जतय लोक विमान सेवा के लेल सम्पर्क क सकय छथिन्ह. एहि के लेल करीब 40 हजार रुपया खर्च करय पड़त.

अखन उत्तर बिहार..नेपाल के काफी लोक इलाज के लेल दरभंगा...लहेरियासराय आबय छथिन्ह. कई बेर एहन होएत अछि जे सीरियस पेशेंट के आगां के इलाज के ले पटना... दिल्ली ट्रांसफर करि देल जाएत अछि. मुदा पटना... दिल्ली ल जाए मे समय लागय के कारण कतेक मरीज ओहि नीक इलाज के सुविधा नहि उठा पाबय छथिन्ह. आब एहि हवाई सुविधा के बाद लोक मरीज के जल्दी इलाज मुहैया करा पएथिन्ह.

पटना... दिल्ली नहि कोलकाते सही... शुरुआत भ गेल अछि. आगां दोसर ठाम के सेवा सेहो शुरू भ सकैत अछि. मुदा एहि के लेल मरीज के परिजन के दरभंगा स्थित मेडिका सुपर स्पेशलिटी अस्पताल केंद्र पर सूचना देबय के चारि घंटा बादहि हवाई सुविधा मिलि सकत. आओर ई सुविधा आम लोक के लेल नहि अछि. आम मरीज एतेक टका के इंतजाम नहि करि पएताह.

मुदा पाए वाला लोक के पाए देलाह के बादहुं नीक सेवा मिल जाएत अछि त एहि मे कोनो बेजाए गप नहि. शुरुआत अछि बेसि लोक एकर फायदा उठयथिन्ह त आगां एकर भाड़ा मे कमि आबि सकैत अछि. अखन सभ किछ नीक रहल त दू दिसंबर सं ई सेवा शुरू भ जाएत.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

2 टिप्‍पणियां:

  1. Sheshnath Mishra : "HITENDRA JI...Darbhanga san hawai sewa suru hoybak kono pahal bhel aich ki nahi....kono chance coming future men?????"

    जवाब देंहटाएं
  2. Haan Ummeed achhi j e Darbhanga san Patna ke beech Nabka saal Jan san 10 seat wala vimaan ke hawaai sewa shuroo bh jaayat.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु