नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

नजर आखिरी चरण केर मतदान पर

बिहार विधानसभा चुनाव के आखिरी आओर छठिम चरण केर मतदान 20 नवंबर के होए वाला अछि. राज्य विधानसभा के 243 सीट मे सं एहि चरण मे 26 सीट पर वोट पड़त.

एहि चरण मे 426 उम्मीदवार ठाड़ छथिन्ह जेहि मे सं 45 महिला उम्मीदवार छथीह. एहि चरण मे किछ बाहुबली उम्मीदवार सेहो भाग्य आजमा रहल छथिन्ह.

एहि चरण मे बिहार विधानसभा अध्यक्ष उदय नारायण चौधरी... विपक्ष के उपनेता शकील अहमद... पूर्व केन्द्रीय मंत्री कांति सिंह...राजद प्रवक्ता इलियास हुसैन...मंत्री अवधेश नारायण सिंह के संग ददन पहलवान के भाग्य केर फैसला होएत.
एहि चरण के चुनाव के लेल सभ उम्मीदवार के प्रचार के लेल खूब समय मिललन्हि. राष्ट्रीय स्तर के नेता सभ सेहो अपन पूरा जोर लगा देलखिन्ह. दिवाली-छठि के छु्ट्टी मे घर आएल लोक सभ के बीच जमि क प्रचार कएलखिन्ह.

छठिम चरण वाला वोट गया...औरंगाबाद... बक्सर... कैमूर आओर रोहतास जिला मे भ रहल अछि. कहि सकय छी जे ई पूरा के पूरा इलाका नक्सल प्रभावित अछि.

नक्सल प्रभावित क्षेत्र होए के कारण एहि इलाका मे सुरक्षा के सख्त इंतजाम कएल गेल अछि. सभ बूथ पर पैरामिलिट्री फोर्स के जवान तैनात रहत. वोटिंग के टाइम सेहो कम करि देल गेल अछि.
ओना अखन धरि पांच चरण के मतदान शांतिपूर्ण रहल अछि. चुनाव आयोग आओर सरकार के कोशिश अछि जे आखिरी चरण के वोटिंग सेहो नीक सं सम्पन्न भ जाए.

अखन धरि पांच चरण मे 217 सीट पर वोट पड़ल अछि. 20 तारीख के आखिरी चरण वाला वोट पड़ला के बाद 24 नवंबर के मतगणना होएत. जकर बाद पता चलत कि नीतीश जीक जादू बरकरार छनि आ नहि.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु