बुझि गेल लालटेन...

बिहार विधानसभा चुनाव 2010 के चुनाव परिणाम अनाए शुरू भ गेल अछि. परिणाम सं साफ भ गेल अछि जे एहि मे लालू प्रसाद यादव जीक लालटेन टिमटिमा क रहि गेल... नीक सं जलि नहि पाएल आओर बुझि गेल.

लालू जीक संग रामविलास पासवान जीक सेहो तेहने हाल अछि. आरजेडी-एलजेपी गठबंधन अपन कोनो करामात नहि देखा पाएल. जखन कि लोकसभा चुनाव मे कम सीट जीतला आओर मंत्री पद नहि मिलला के कारण ओ अपन पूरा समय राज्य पर देने छलखिन्ह.

लालू आओर पासवान जी एकरा लेल मीडिया के जिम्मेदार ठहरा रहल छथिन्ह. मुदा ओ एहि पर ध्यान नहि देलखिन्ह जे हुनकर 15 साल के राज मे बिहार सय साल सं बेसि पाछा चलि गेल. बिहार हर क्षेत्र मे पिछड़ि गेल.
चुनाव परिणाम अएला के संग लालू जी आओर पासवान जीक घर पर सन्नाटा पसरि गेल अछि. एहने हाल आरजेडी आओर एलजेपी के पार्टी कार्यालय के सेहो अछि. कार्यकर्ता सभ निराश छथिन्ह.

लालू जीक आओर पासवान जी एहन कल्पना नहि कएने छलखिन्ह जे रिजल्ट एतेक खराब होएत. रिजल्ट सं हुनका भारी झटका लगलन्हि. दूनु नेता एकदम सं निराश छथिन्ह.

लोक सभ नीतीश जीक साथ द लालू जीक नारा के...तर्क के एकदम सं नकारि देलखिन्ह. लालू आओर पासवानजीक लेल एहि नुकसान के सभस पैघ कारण अहां कांग्रेस के सेहो ठहरा सकैत छी.
आरजेडी-एलजेपी के लेल सभसं पैघ वोटकटवा साबित भेल कांग्रेस. कांग्रेस के कारण आरजेडी-एलजेपी के 50 प्रतिशत सं बेसि उम्मीदवार के हार के मुंह देखय पड़लन्हि.

अगर जेडीयू-बीजेपी गठबंधन के आरजेडी-एलजेपी गठबंघन सं सीधा टक्कर रहैत... कांटा के टक्कर रहैत त लालू-पासवान जी एहि सं बेहतर स्थिति मे रहि सकैत छलाह. मुदा कांग्रेस हिनकर बंटाधार करि देलक.

अगर कांग्रेस सभ सीट पर अपन उम्मीदवार ठाड़ नहि कएने रहैत त आरजेडी-एलजेपी के आओर सीट मिल सकैत छल. राहुल गांधी हिनकर बत्ती बुझाबय के काज करलखिन्ह. कांग्रेस अपने त हारबे करल... लालू-पासवान जीक सेहो हरा देलक.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. बिहार में जेडीयू+भाजपा के अभूतपूर्व जीत विकासवाद के जीत, बिहारक अस्मिताक जीत ऐछ ..अहि भारी जीत स' नब बिहारक उदय भेल ..बिहारक गौरव फेर स' वापस लौट रहल ऐछ....
    ई जीत..
    केंद्र के कोंग्रेस सरकार द्वारा देल गेल कथित “फंड” के हिसाब सेहो जनता केंद्र के द' देलक, जे प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह,आ "बौआ" राहुल गाँधी चुनाव में माँगने रहैथ....

    ReplyDelete
  2. Bujhi gel Lalten - hasya samachar bar nik lagal. Ahina hasya mishit katha likhit rahu.
    Laloo aa Ramvilas ke Mithila Rajyak abhiyan me anbak e brhiya absar achhi.
    Amarnath

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

कि इहे सभागाछी अछि ?

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

पूर्णिया मे सुखोई

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

बिहार के एकटा आओर सम्मान

दिल्ली मे सामा चकेवा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

किछ हरायल शब्द

सुशांत झा आ नीलेश दीपक जीक सम्मान