Skip to main content

एहि देश मे कहिया धरि मरैत रहत बिहारी

कुमुद सिंह
पिछला एक माह स जातिक आधार पर मतदान करि रहल लोक मे एक बेर फेर बिहारीपन जागि गेल अछि। छठि क मौका पर जखन बिहार मे अपराध बंद रहैत अछि, तखने असम मे एक बेर फेर 30टा बिहारी कए हत्या करि देल गेल। प्रतिबंधित संगठन नेशनल डेमोक्रेटिक फ्रंट ऑफ बोडोलैंड (एनडीएफबी) क सदस्य पिछल तीन दिन मे करीब 30 गोटे कए केवल एहि कारण स मारी देलथि जे ओ नौकरी तकबा लेल असम गेल छलथि। एहि ठाम छिटपुट हमला क दास्तां त काफी लंबा अछि। कई बेर एहि ठाम बिहारी कए गाजर-मूली जेकां काटल गेल अछि। जेकरा मारल गेल, ओकर केवल एकटा दोष छल जे ओ बिहारी छल आ अपन देस से दूर देश मे रोजगार तकबा लेल गेल छल। 10 साल पहिने असम मे अल्फा बिहार क 70टा कामगार कए मौत क घाट उतारि देने छल। ओकर बाद रेलवे क नौकरी क लेल परीक्षा देबा लेल गेल बाहरी आवेदक पर हिंसक हमला भेल। अल्फा बिहारी कए ओहि ठाम स निकलि जेबा लेल कहैत रहल अछि।
एहि घटना स लोक मे आतंक स्वभाविक अछि। सब बेर जेकां एहि बेर सेहो असम क मुख्यमंत्री कठोर कार्रवाई क घोषणा केलथि अछि। एहि हत्या कए कांग्रेस सरकार एक बेर फेर कानून-व्यवस्था क मामला बता कए दबा देबाक प्रयास मे अछि, मुदा एकरा केवल कानून-व्यवस्था स जोड़ल नहि जा सकैत अछि, किया कि एहन घटना कांग्रेस शासित आन राज्य मे सेहो होइत रहल अछि आ आब इ एकटा निश्चित पैटर्न बनी चुकल अछि। कांग्रेस हरदम एहि पर कार्रवाई करबा स पाछु हटैत रहल अछि। किया कि एहन भावना आइ सत्ता क कुंजी बनि चुकल अछि। असम क तरुण गोगोई सरकार सेहो विलासराव, अशोक चव्हाण स अलग नहि छथि। हुनको पर आरोप लगैत रहल अछि जे सरकार एनडीएफबी क गतिविधि क अनदेखी केलथि, जेकर नतीजा आइ बिहरी कए भुगतए पड़ि रहल अछि।
भूमिगत संगठन द्वारा मारल गेल लोक मे ओहन बिहारीक संख्या सेहो काफी अछि जे पिछला तीन पीढी स असम मे रहि रहल छल। ओ मजदूरी करैत छल, खेती करैत छल या फेर अपन छोट-मोट व्यवसाय चलबैत छल। अपन घर स दूर कहुना खा-पी लैत छल। स्थानीय समाज क संग ओ घुल-मिल गेल छल आ एक तरह स वृहत्तर असमिया समाज क अंग बनि चुकल छल। खास गप इ सेहो देखल गेल जे अपना कए बिहारी कहबा स बचबाक बावजूद इ समाज असम क राजनीति मे बहुत कम दिलचस्पी लैत छल आ राजनीतिक अधिकार क बारे मे नहि सोचैत छल। एहि लेल असम मे बिहारी क कोनो वोट बैंक नहि बनि सकल। एहि लेल बिहारीक हत्या क बाद कांग्रेस क सरकार या प्रशासन क स्तर पर कोनो प्रभाव नहि पड़ैत अछि। राजनीतिक स्तर पर हाहाकार नहि मचैत अछि। बिहारी एकटा अनाथ जमात बनल अछि जे कांग्रेस सरकार क रहमोकरम पर जी रहल अछि। राज्य सरकार क सक्रियता तखन सामने अबैत अछि जखन बिहार या झारखंड स कोनो नेताक बयान अबैत अछि। मुदा एहि बेर सब चुप छथि। झारखंड स सालखन मुर्मु कए छोडि कोनो नेता बयान देबा लेल सामने नहि आबि सकला अछि। बिहार मे चुनाव अछि, मुद्दा बहुत अछि मुदा बिहारीपन ककरो लेल मुद्दा नहि अछि। राहुल राज क हत्या कए सब बिसरी गेल। राहुलक हत्या करिनिहार मुंबई पुलिस कए क्लीनचिट देनिहार राकांपाक नेता खुलेआम बिहार मे प्रचार करि रहल छथि, राकांपाक उम्मीदवार सेहो चुनावी मैदान मे छथि। नीतीश कुमार अपराधी आ जातिक आधार पर भाषण देबा मे इ बिसरी गेलाह जे राज्यक बाहर केवल बिहारी जाति अछि। जूता स ल कए गोली खेनिहार तक बिहारी होइत अछि न कि भूमिहार या कूर्मी या फेर यादव। लालू आ पासवान कहियो एहि तरहक मुद्दा पर गंभीर नहि भेलाह। हुनका स इ उम्मीद सेहो कियो नहि करैत अछि। जहां तक कांग्रेसक सवाल अछि ओकरा लेल बिहार ओहने राज्य अछि जेहन अमेरिका लेल भारत। कहबाक मतलब इ जे कांग्रेस बिहारक हित तखने साधत जखन बिहार मजबूत होएत। कमजोर आ गरीब बिहार कांग्रेस लेल कहियो गंभीर मुद्दा नहि भ सकैत अछि। देखल जाए त कांग्रेस जाहि राज्य मे सत्ता मे अछि ओहि राज्य मे बिहारी पर सबस बेसी हमला भ रहल अछि। राहुल गांधी बिहार मे जा कए कहैत छथि जे अगर बिहार विकास कए रहल अछि त लोक बाहर किया जा रहल अछि। राहुल गांधी बिहार क जनता कए एतबा मूर्ख किया बुझैत छथि पता नहि। पलायन त पंजाब स सेहो भ रहल अछि, दुनियाक सब कोन मे पंजाबी बिना पलायन कए पहुंच गेल। राहुल गांधी इ बेता स सेहो कन्नी काटि लैत छथि जे अगर भारत विकास कए रहल अछि त भारतीय ऑस्टेलिया किया जा रहल छथि, जाहि ठाम पीटल जा रहल अछि। कांग्रेस जहिया धरि चाहत बिहारी मरैत रहत आ एकरा एकहि तरह स रोकल जा सकैत अछि आ ओकरा लेल एकटा मजबूत बिहारक निर्माण करए पडत। आशा अछि नीतीश कुमार आ लालू प्रसाद दूनू नेता इ बुझबा लेल तैयार हेता नहि त हम एहिना मरैत रहब।
www.esamaad.com

Comments

  1. Jaa dhari hum sab bihari ekmat aur ektrit nahi hoyab jati-pratha aur apan aan ke bhawna se nahi uthab tabe dhari hamrasab ke ahina satayal jayat hatya kayal jayat ekra lel hamra hisab se eketa matra achhi sabse pahine ham sab ek mat ho okra baad sab kiyo apan hisab se ekra lel andolan kartah sahitkar kabita ke madhyam se Patrakar media me ekra jor sor se utheta aur rajniti party par dabab bau je jahi se hamar awaj dilli dhari pahuchay akhan samay seho neek achhi sheetkalin adhiweshan chali rahal achhi.
    Matra hamrasab ek ber jabwak achhi desh astra par andolan karwak achhi takhan kakro majal nahi achhi je bihari par haath ki jawano chalewak prabas karat

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर