पाचिम चरण केर वोटिंग

बिहार  विधान सभा चुनाव के पाचिम चरण मे  9 नवंबर के 35 सीट पर करीब 50% वोट पड़ल . एहि चरण मे 490 उम्मीदवार ठाड़ छथिन्ह. 

नक्सल प्रभावित इलाका होए के कारण सुरक्षा केर विशेष इंतजाम कएल गेल छल. तकरीबन हर बूथ पर सुरक्षा बल तैनात छल. हेलीकॉप्टर सं सेहो निगरानी कएल गेल


एहि दौर मे 44टा महिला उम्मीदवार सेहो छथीह. एहि चरण मे पटना...गया... शेखपुरा... नालंदा... भोजपुर... अरवल... जहानाबाद आओर नवादा जिला मे वोट पड़ल.

एहि चरण मे नीतीश सरकार के कइटा मंत्री के किस्मत दांव पर छनि. जेहि मे डा. प्रेम कुमार... हरिनारायण सिंह... भगवान सिंह कुशवाहा... अनिल कुमार शामिल छथिन्ह. हिनका संग जदयू के मुख्य सचेतक श्रवण कुमार...पूर्व मंत्री श्याम रजक  के भाग्य सेहो ईवीएम मे बंद भ गेल.


अखन धरि पांच चरण के चुनाव भ चुकल अछि. एहि के बाद 20 नवंबर के चुनाव बाकी रहल. सभ सीटक मतगणना 24 नवंबर के होएत.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल के भेल रंगारंग शुरुआत

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार