Skip to main content

नायडू वाला हाल नहि होए नीतीश जीक ?

बिहार मे आई-काल्हि चुनाव प्रक्रिया चलि रहल अछि. विधानसभा के 243 सीट के लेल होए वाला 6 चरण के चुनाव मे सं चारि चरण पूरा भ चुकल अछि. कुल 182 सीट पर वोट पड़ि चुकल अछि. सिर्फ 61 सीट बाकी अछि.

सत्ताधारी जेडीयू-बीजेपी एहि बेर फेर मिलि क लड़ि रहल अछि आओर एक बेर फेर सं सरकार बनाबए के उम्मीद करि रहल अछि. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी आओर हुनकर सहयोगी बीजेपी अपन पूरा जोर लगा देने अछि.

विपक्षी पार्टी आरजेडी आओर एलजेपी के कोशिश मौजूदा सरकार सं कुर्सी छीनए के अछि. लालू प्रसाद यादव जी आओर राम विलास पासवान जी साल भर पहिनहिं सं दिन-राति एक कएने छथिन्ह. सत्ता पलट के लेल हर संभव कोशिश क रहल छथिन्ह.
राज्य मे सभ सं बेसि प्रचार कोनो दल सं भ रहल अछि त ओ अछि कांग्रेस. कांग्रेस एहि बेर राज्य केर सभ सीट पर अपन उम्मीदवार ठाड़ कएने अछि. राहुल गांधी सं लsक पार्टी के तमाम बड़का नेता प्रचार अभियान मे लागल छथिन्ह.

कांग्रेस बिहार पर 45 साल राज करला के बाद लालू-राबड़ी सरकार मे सहयोगी रहल. आओर पिछला पांच साल नीतीश जी के रहल. एहन ने कांग्रेस के अपन कैडर एक तरह सं खत्म भ गेल अछि. पार्टी के कोशिश अपन पुरनका कैडर के फेर सं ठाड़ करय के अछि.

कांग्रेस के कोशिश इहो अछि जे पिछला चुनाव मे मिलल दसटा सीट सं अगर दोगुनो सीट मिल जाएत अछि त पार्टी के लेल बड़का कामयाबी रहत आओर आगां के चुनाव के लेल नीक रहत.
एहि के लेल पार्टी बिहार के सभ समीकरण ध्यान मे राखि टिकट बांटने अछि. मुदा एकर नुकसान नीतीश जी सं बेसि लालू जीके आओर बीजेपी के उठाबय पड़तन्हि.

सभ पार्टी आब अपन-अपन आकलन मे जुटि गेल अछि. जोड़-तोड़ के गणित पर ध्यान लगौने छथिन्ह. नेता जी सभ सर्वे...अखबारी...न्यूज चैनल के रिपोर्टक विवेचना करि रहल छथिन्ह.

मुदा अहां एक चीज एहि चुनाव मे गौर करलौं कि नहि? एहि बेर मीडिया...सोशल नेटवर्किंग साइट पर शुरूए सं नीतीश जीके एक तरह सं विजेता घोषित करि देल गेल अछि.
सभ ठाम लोक एक दोसरा सं गप करैत कहय छथिन्ह विकास के लेल नीतीश जी फेर आबि रहल छथिन्ह. बिहार के लेल हुनकर अनाए नीक रहत. मुदा कि ई एतेक आसान अछि?

जतेक मतदाता छथिन्ह ओहि मे सं करीब 50-55% वोट गिराबय जाए छथिन्ह. वोट नहि देबय वाला 45-50% लोक मे ओ लोक शामिल छथिन्ह जे विकास के गप करय छथिन्ह.

वोट नहि देबय वाला लोक मे ओहन लोक बेसि छथिन्ह जे बिहार सं बाहर बैसि विकास के बात करि सोशल नेटवर्किंग साइट पर भविष्यवाणी करय छथिन्ह. मतदाता के मन के बात जानय के दंभ भरय छथिन्ह.

मुदा कहिओ ई जानय के कोशिश करलहुं... जे वोट डालय वाला 50-55% लोक के मोन मे की बात चलैत अछि...ओ की चाहय छथिन्ह? कि हुनका लेल विकासक पैमाना सिर्फ सड़क...बिजली आओर गाम -घर मे साइकिल चलाबैत बुच्ची सभ अछि?
महंगाई...रोजगार के लेल लोक के पलायन... उद्योग-धंधा... हर काम-काज के लेल रिश्वत... भ्रष्टाचार... स्थानीय समस्या... नक्सल समस्या... बटाईदारी... सिंचाई केर समस्या जकां दोसर मामला के कोनो जिक्र नहि भ रहल अछि.

वोट देबय वाला गरीब-गुरबा के बात नहि भ रहल अछि. ईवीएम सं पहिने हिनकर सभक वोट पर बेसिs क कब्जा भ जाए छल. मुदा आब ओ शांति सं बिना किछ कहने अपन वोट डालय छथिन्ह...आओर हिनका सभक लेल विकास सं पैघ मुद्दा रोजी-रोटी छैनि.

बिहार सं बाहर बैसि... टाउन मे रहि... एक दू गाम जा अहां केतबो किछ कहिओ मतदाता के मन के थाह लेनाए आसान नहि अछि. एकर पता अहां के 24 के बादहिं पता चलत.
एनडीए के शासन काल मे इंडिया शाइनिंग... भारत उदय याद अछि कि नहि? आंध्र प्रदेश मे मुख्यमंत्री रहल चन्द्रबाबू नायडू के सेहो नहि भूलल होए अहां सभ. सभ मीडिया हुनका फेर जीतौने छल. मुदा हुनकर कहिं पता नहि चलल.

ई जरूर अछि जे अखन बिहार के जे हाल अछि ओहन मे राज्य के नीतीश कुमार जीक जरूरत अछि. अखन हिनकर कोनो विकल्प नहि देखा रहल अछि. मुदा मतदाता त मतदाता होएत अछि. आब देखिऔ किनका सिर पर ताज राखय छथिन्ह. नीतीश जी के मौका दैत छथिन्ह आ सबक सीखाबय छथिन्ह.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. ranjit kumar -

    agar ehan bhel t Bihar ke lel durbhagya. aagu kyo neta vikas K namo tak nai let. E tai manu.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर