चारिम चरण के वोट पड़ल

बिहार विधानसभा चुनाव के चारिम चरण मे 42 सीट पर वोटिंग खत्म भ गेल. वोटिंग कहल जाए त मिलाजुला क अखन धरि शांतिपूर्ण रहल अछि. चारि चरण लगा कs अखन धरि 182 सीट पर वोट पड़ि चुकल अछि.

आब नौ आओर 20 नवंबर वाला वोटिंग बाकी रहल अछि. 243 सीट के लेल भ रहल चुनाव केर मतगणना 24 नवंबर के होएत.

आठ जिला मे पड़ल एहि वोटिंग मे 568 उम्मीदवार के भाग्य दांव पर अछि. एहि मे 58टा महिला उम्मीदवार सेहो शामिल छथीह.

एहि दौर मे अश्विनी चौबे ... नंद किशोर यादव... अनंत सिंह... शकुनी चौधरी...विजय कृष्ण... सदानंद सिंह आओर पशुपति कुमार पारस जैसन दिग्गज नेता के क्षेत्र मे वोट पड़ल.

आठ जिला जेहि मे एक नवंबर के वोट पड़ल ओहि मे पटना के 10... बेगूसराय के सात... खगड़िया के चारि... भागलपुर के सात...बांका के पांच...जमुई के चारि...मुंगेर के तीन आओर लखीसराय केर दू विधानसभा क्षेत्र शामिल अछि.

वोटिंग के लेल सुरक्षा के भारी इंतजाम कएल गेल छल. हेलीकॉप्टर सं सेहो निगरानी कएल गेल. असल मे चारिम चरण के वोटिंग वाला इलाका नक्सल प्रभावित...आओर दियारा क्षेत्र मे छल.

दीपावली आओर छठि के देखैत लगैत अछि अगिला चरण मे वोटिंग के प्रतिशत बेसि रहबाक चाही.
Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

आईबीएम मे जॉब... पाठकक पत्र

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा