नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

पहिल चरणक वोट केर प्रचारक अंतिम दिन...

बिहार विधानसभा चुनाव के लेल पहिल चरण के वोटिंग 21 अक्तूबर के होए वाला अछि. एहि के लेल 19 तारीख मंगलदिन प्रचारक आखिरी दिन अछि. सांझ सं नेता सभक प्रचारक शोर थमि जाएत. अगिला दिन ओ घर-घर जाक लोक सभ सं मिलि सकय छथिन्ह. मुदा सभा नहि क सकय छथिन्ह आओर नहि कोनो लाउडस्पीकर सं प्रचार क सकय छथिन्ह.

प्रचारक आखिरी दिन होए के कारण सभ पार्टी के बड़का-बड़का नेता इलाका मे जोर-शोर सं जुटल छथिन्ह. बेसि सं बेसि सभा... रैली करि लेबय चाहय छथिन्ह. प्रचार मे कोनो कोर-कसर नहि छोड़य चाहय छथिन्ह. अपन जतेक ताकत होएत अछि सभ लगा देने छथिन्ह. नेताजी के संग फिल्मी कलाकार सेहो आबि रहल छथिन्ह.

पहिल चरण मे 47 सीट के लेल वोट पड़त. ई 47 सीट मिथिला...कोसी क्षेत्र केर आठ जिला मे फैलल अछि. पहिल चरण मे कुल 636 उम्मीदवार के भाग्य दांव पर अछि. जेहि मे मौजूदा सरकार के मंत्री नरेन्द्र नारायण यादव... रेणु कुमारी आओर प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष महबूब अली कैसर शामिल छथिन्ह.

एहि चुनाव मे जेडीयू के बीजेपी सं आओर आरजेडी के एलजेपी सं तालमेल अछि. कांग्रेस एहिबेर एकसरे लड़ि रहल अछि. 47 सीट पर होए वाला पहिल चरण के चुनाव मे जेडीयू 26... बीजेपी 21... आरजेडी 31... एलजेपी 16... कांग्रेस 47 सीट पर अपन उम्मीदवार ठाड़ कएने अछि.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

2 टिप्‍पणियां:

  1. Hitendra Jee Namaskar
    Hamar vote te nahi (kiyak te delhi me akhan chhi) muda support pura ke pura Vikasak sang rahat nahi ki jat pat ke sanga wa bhai bhatijawadk sang sanghi ham samast maithil sa agrah karbain je ek ber pher vikasak rath ke agu badhewak prayas karait nahi ki jhoot ashashan par jait| .... Dhanyabad

    Jai Mithila .. Jai Maithili .. Jai Bharat

    जवाब देंहटाएं
  2. Dayakant jee... ahank vichaar jaani mon gadgad bha gel... agar sabh Bihari ke vichar ahai jakan bh ajaay t pher rajya ke aagaa barhai san koi nai rokat...

    dhanyawad

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु