Skip to main content

अहां केना सहैत होएब ?

इंस्टिट्यूटक आखिरी दिन छल... कॉन्वोकेशन मे शामिल अठाइसो स्टुडेंट... स्टुडेंट नहि जर्नलिस्ट कहिऔ...बड़ खुश छलखिन्ह...कॉन्वोकेशन केर बाद भेल पार्टी मे कई अखबारक एडिटर... बड़का-बड़का पत्रकार... मंत्री... नेता... अधिकारी... आओर दिल्ली मे रहय वाला पत्रकार सभ अपन-अपन दोस्त... परिवार के संग आएल छलाह.

सभ एक-दोसरा सं मिल रहल छलाह... नाचि-गा रहल छलाह... खा-पीब रहल छलाह. हमहुं किनको सं गप करय मे बिजी छलहुं...कि मिताली आबि कहलीह, “हाय हितेंद्र, हिनका सं मिलु... हमर कजिन तान्या...फाइनल ईयर मे छथीह”

घर पर अक्सर अहांक आओर दोसर फ्रेंड सभ के बारे मे गप होएत रहैत अछि. मुदा ई अहां सं किछ बेसि प्रभावित छथीह कि आखिर हितेंद्र मे कि छनि जे हम एतेक तारीफ करैत रहय छिएन्हि...लिअ आई खुद मिलि लिअ...एतेक कहि ओ तान्या के हमरा पास छोड़ि दोसर लोक सभ सं मिलए-जुलए लगलीह.
तान्या! अहा कि कहल जाए. हम देखतहि रहि गेलहुं. जेना कोनो फिल्मी हीरोईन... जेना कोनो स्वर्गक अप्सरा साक्षात हमरा आगां ठाड़ होतहि. सुन्दरता के जतेक प्रसंशा कएल जाए कम होएत... गोर खिलल-खिलल चेहरा... एकटा अलगे लालिमा लेने... जेना दूध मे सिंदूर मिला देने होए.

हम कॉलेजक पढ़ाई पूरा क निकलल आ ओ कॉलेज आखिरी साल मे... दूनू जवानीक दौर मे कदम राखि चुकल छलहुं. एहन मे त मोन मे ख्याल सेहो सतरंगी आबैत अछि न ! दुनिया के सभ चिंता सं मुक्त अपन अलगे दुनिया मे.

तान्या सं मिल एकदम सं फिल्मी कहानी जकां किछ-किछ होए लागल...किछिओ काल नहि भेल कि लागए लागल जेना तान्या के कई साल सं जानैत छी. एतेक अपनापन भ गेल जे कहल नहि जा सकैत अछि... होएबो किएक नहि करैत ओ छलीहे तेहने. ककरो अपना तरफ आकर्षित करि सकैत छलीह.
आब एहन भेल जे पार्टी मे के-के आएल छथिन्ह...किनका-किनका सभ सं मिलए के अछि... ई सभ भूलि पार्टी के आखिर तक बस तान्या के साथ रहि गेलहुं...सभ छूटि गेल...आखिर तान्या सं मिलला के बाद ककरा सं मिलतहुं... लागैत छल जेना हमरा सभ किछ मिलि गेल होए... आओर किछ सुझा नहि रहल छल. उम्र के एहि पड़ाव मे आओर दोसर किछ के कामना सेहो नहि रहय छनि.

नहि जाने... संगे-संग खाएत-पिबैत कि-कि बतिआएत रहलौं...पार्टी खत्म भेलाह पर भारी मोन सं बॉय कहलौं. समय केना गुजरल पता नहि चलल. लागल जे किछ देर आओर संग रहितौं त कतेक नीक रहैत.

ओ अपना घर चलि त गेलीह...मुदा हमरा दिल-दिमाग पर छा गेलीह. हमर मोन-मस्तिष्क पर सिर्फ तान्या...तान्या रहि गेल. खाए-पिबय.. सुतए-उठए...घुमए-फिरए सं लsक पढ़ए-लिखए तक...बस तान्या-तान्या...आओर किछ सुझाएते नहि छल. अजीब हाल भ गेल. एकटा अलगे रोमांच छा गेल.
अगिला दिन काटनाए मुश्किल भ गेल. कि कएल जाए. किछ फुराएत नहि छल. रहल नहि गेल. केहुना हिम्मत करि फोन करलौं. गप भेल...तय भेल जे पास के चाणक्या सिनेमा कॉम्प्लैक्स मे मिलल जाए. ओहि टाइम ई दिल्ली के हैपनिंग पैलेस छल.

फेर मिलए के गप पर खुशी के ठेकान नहि रहल. मिलए के तैयारी होए लागल. लड़की जकां बनय-ठनय लागलहुं...पहिल बेर ऐना भेल जे बेर-बेर आईना के आगां ठाड़ भ अपना के देखैत रहलौं... एम्हर सं त ओम्हर सं...किछ बेजाए तं नहि लागि रहल अछि.

सोचए छलहुं जे ई कहब त ओ कहब...मिलए लेल दिल बेताब... नजर बेर-बेर घड़ी पर जा रहल छल. लागए छल कहिं देर नहि भ जाए. समय कटि नहि रहल छल. तय समय सं आधा घंटा पहिनहिं चाणक्या पहुंचि गेलहुं.
मुदा ई कि! तान्या सेहो पहिने सं पहुंचल छलीह... यानी आग एम्हरे नहि ओम्हरो धधैकि रहल छल... घंटों बैसल रहलौं...एक-दोसरा के देखैत रहलौं... मुस्कुराएत रहलौं... नहि जाने कोन-कोन सब्जेक्ट पर गप भेल...ओना बोलनाए कम निहारनाए बेसि भ रहल छल.

ओहि दिन के बाद त फेर भेंट-मुलाकातक जेना सिलसिला चलि पड़ल...कोनो दिन एहन नहि रहल जे भेंट आ गप नहि होएल होए. एम्हर गाम सं सेहो फोन आबैत छल जे कोर्स खत्म भ गेल छह किछ दिन के लेल घर आबि जाsह. मुदा बहाना बना कि अखने तं कोनो ठाम नौकरी देखल जा सकैत अछि...गाम जनाए टालि दैत छलहुं.

भगवानक कृपा सं जल्दीए न्यूज़ चैनल मे नौकरी लागि गेल...तान्या सेहो पढ़ाई पूरा करि कम्पीटीशनक तैयारी करय लगलीह. कैट के परीक्षा के बाद हुनकर सेलेक्शन आईआईएम बैंगलोर लेल भ गेलन्हि...दिल्ली सं दूर भ गेलीह. अखन धरि जे रोज मुलाकात के सिलसिला छल ओ बंद भ गेल. बस फोनक आसरा रहि गेल.
वीकेंड पर मिलए वाला दू दिनक छुट्टी मे मिलए लेल कई बेर बैंगलोर सेहो गेलहुं... बीच-बीच मे ओहो छु्ट्टी मे दिल्ली आबि जाए छलीह. ई समय केना बीतल पता नहि चलल. आईआईएम के आखिरी साल मे तान्या के कैम्पस सेलेक्शन एकटा एमएनसी कंपनी मे भ गेलन्हि...ऑप्शन दिल्ली आओर ऑस्ट्रेलिया दूनु के छल मुदा ओ इंडिया मे रहनाए पसंद करलीह.

दिन गुजरैत गेल... तान्या ओहि टाइम तं ऑस्ट्रेलिया जाए सं मना करि देने छलीह मुदा प्रमोशन के बाद ओतय जाए सं मना नहि करि पएलीह. एहि बीच सभ किछ ठीक-ठाक चलैत रहल... काम मे व्यस्तता बढ़ैत गेल...हमहुं व्यस्त रहय लागलौं...तान्या सेहो बिजी रहय लगलीह.

दिल्ली मे संग रहनाए के जगह आब फोन...चैट सं मुलाकात होए लागल... ऐना भेल जे रोज -रोज के जगह वीकेंड पर गप होए लागल...फेर ऐहन भेल कई बेर 15-15 दिन तक कोनो गप नहि...असल मे ड्यूटी के चक्कर मे कई बेर एतए हम जागल त ओ सुतल...आ ओ जागल त हम सुतल... टाइमक फर्क के कारण सभ उलट-पुलट भ गेल. टाइम चेंज...सब किछ चेंज...नजरक दूरी जिगरक दूरी बनि गेल...
साल भर भ गेल मिलल... ई त दिले जानैत अछि जे हुनका बिना केना रहैत छी. सच मे तान्या अहांके हम बड़ मिस करि रहल छी...मुदा अहां सेहो एकरा केना सहैत होएब?

Comments

  1. bahut nik lagal sir, e kahani padhi ke sath me, ahan ke bhavna ke sath sath photo dekhi ke aaur nik lagal bahut emotional kahani ye ahan ke

    bahut mast. bad nik lagal

    ReplyDelete
  2. bahut nik lagal sir, e kahani padhi ke sath me, ahan ke bhavna ke sath sath photo dekhi ke aaur nik lagal bahut emotional kahani ye ahan ke

    bahut mast. bad nik lagal

    aab milay ke prayas karu ne sir.

    ReplyDelete
  3. bahut nik lagal sir, e kahani padhi ke sath me, ahan ke bhavna ke sath sath photo dekhi ke aaur nik lagal bahut emotional kahani ye ahan ke


    bahut mast. bad nik lagal


    aab milay ke prayas karu ne sir.

    pankaj Singh

    ReplyDelete
  4. bahut bahut dhanyawad ahan sab ke... ehina utsaah barhabait rahiyau...

    ReplyDelete
  5. bahut neek lagal muda bahut thorek shabd k prayog me reminement k avashyakta aii.

    ReplyDelete
  6. Bahut nik laagal aahnk kahani.

    ReplyDelete
  7. fantastic yaar katbo badai karab tio kam parat

    ReplyDelete
  8. virah ke vedna,nik lagal,rachna saafsuthra,lekhni uttam.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर