Skip to main content

नेताजी चललाह पटना...

विधानसभा चुनाव केर घोषणा होएतहि राज्य भरि मे चहल-पहल शुरू भ गेल अछि. एकदम शादी-विवाह जकां तैयारी भ रहल अछि. चुनाव के लेल नेताजी सं लsक पार्टी कार्यकर्ता तक...सभ जोर-शोर सं जुटि गेलखिन्ह ताल ठोकि क.

चुनाव के मैदान मे कूदय सं पहिने सभ गोटे के ध्यान कोनो तरहे टिकट जोगाड़ करय पर छनि. टिकट के लेल जतेक सम्पर्क साधय के जरूरत भ रहल छनि जोड़ि रहल छथिन्ह. कोनो कसर छोड़ि नहि रहल छथिन्ह.

पेटी मे चपतल राखल खादीक धोती-कुर्ता-पायजामा-गमछा आओर टोपी निकलि गेल अछि. नील-टिनोपाल आओर आयरन सं चमका देने छथिन्ह. खादी दोकान सं नवका–नवका धोती-कुर्ता-पायजामा-गमछा आओर टोपी खरीद सेहो रहल छथिन्ह.

चुनाव के कारण खादी के कपड़ा के एतेक मांग बढ़ि गेल अछि जे खादी ग्रामोद्योग के बाहर सं सेहो कपड़ा मंगाबय पड़ि रहल अछि. नेताजी अपनहि लेल नहि अपन आगां-पाछां रहय वाला कार्यकर्ता सभक लेल सेहो कपड़ा खरीद आ बनबा रहल छथिन्ह.
चुनाव अएला सं नेताजी क व्यवहार...बर्ताव मे सेहो काफी परिवर्तन आएल छनि. चेहरा पर एकटा अलगे मुस्कान आबि गेल छनि. सभ लोक सं मुस्कुरा क बात करय छथिन्ह. हाल-चाल पूछय छथिन्ह...कष्ट-परेशानी के बात करय छथिन्ह.

नेताजीक अखन एकसूत्री लक्ष्य टिकट के जोगाड़ छनि. एहि के लेल नेताजी सभ पटना मे डेरा जमौने छथिन्ह. टिकट के लेल सभ लिंक भिरौने छथिन्ह. पटना के त एहन हाल जे एकोटा होटल मे कमरा नहि मिल रहल अछि.

पटना के सभ होटल...धर्मशाला...गेस्टहाउस फुल चलि रहल अछि. जकर भाड़ा सय रुपया दिन छल ओ पांच सय... हजार रुपया दिन पर मिल जाय त अपना के खुशकिस्मत समझु. बेसि पैसा पाबय के लेल किछ कमरा रिजर्व सेहो राखि लेने अछि.

कमरा नहि मिलला पर अपन इलाका के लोक सभ के पास सेहो डेरा जमा देने छथिन्ह नेताजी. पूरा पटना राज्य भर के पार्टी कार्यकर्ता सभ सं भरि गेल अछि. लागत जेना पटना मे नेताजी छोड़ि दोसर लोक रहते नहि छथिन्ह.

चुनाव के घोषणा के संग आम लोक के सेहो पैसा कमाई के मौका मिल गेल छनि. कई ठाम पढ़ल-लिखल लोक सभ बॉयोडाटा बनाबय के काज शुरू करि देने छथिन्ह. ओ नेताजी सभ के बॉयोडाटा के चमका दय हुनका खुश करि दय छथिन्ह.

पटना मे बीजेपी के कार्यालय मे जाउ आ जेडीयू...आरजेडी आ एलजेपी के...सभ ठाम टिकट चाहय वाला नेताजी सभ के रेला लागल छनि. एहि मे कतेक अहां के एहन नेताजी सेहो मिलि जएताह जिनका राजनीति सं कोनो पाला नहि छनि.

कतेक लोक त इलाका मे नाम होए... लोक जानय-पहचानय एहि लेल चुनाव लड़य चाहय छथिन्ह. हुनका ई फर्क नहि पड़य छनि जे टिकट बीएसपी सं मिलय आ एनसीपी सं आ फेर शिवसेना सं. बस केहुना टिकट मिलबाक चाही.

किछ नेताजी त बस एहि चाह मे छथिन्ह कि एक बेर टिकट मिल जाए त जिनगी सुधरि जाएत. एहि के लेल ओ खर्च करय सं पाछां सेहो नहि हटि रहल छथिन्ह. बस टिकट मिल जाए.., खर्च त अपने –आप ऊपर भ जाएत.
टिकट के लाइन मे फुलटाइम नेताजी सभ सेहो छथिन्ह. ओ अपन काम-काज के ब्योरा सेहो द रहल छथिन्ह. हुनका संग आएल इलाका के लोक सभ पार्टी के बड़का नेता के ई बताबय के कोशिश करय छथिन्ह जे हिनका टिकट मिलनाय कतेक जरूरी अछि.

जे होए पार्टी के तरफ सं लिस्ट जारी होए तक नेताजी अपन पूरा जोर लगौने छथिन्ह. जे ई ठानि क आएल छथिन्ह कि चुनाव त लड़बे करब चाहे टिकट मिलय आ नहि. ओ त दस ठाम अपन जोगाड़ लगौने छथिन्ह. नहि त स्वतंत्र उम्मीदवारी त अछिए.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर