नीतीश नहि लड़ताह चुनाव

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार विधान सभा चुनाव नहि लड़ताह. बिहार मे विधान सभा चुनाव केर घोषणा भS गेल अछि. 243 विधानसभा सीट के लेल चुनाव 21 अक्तूबर सं शुरू होएत. छह चरण मे होए वाला ई चुनाव 20 नवंबर तक चलत. वोट के गिनती 24 नवंबर के होएत. चुनाव केर घोषणा के संगहि बिहार मे चुनाव आचार संहिता लागू भS गेल अछि.

नीतीश जी पिछला बेर चुनाव नहि लड़ल छलखिन्ह. मुख्यमंत्री अखन बिहार विधान परिषद के सदस्य यानी एमएलसी छथिन्ह. चुनाव नहि लड़ला के फायदा पार्टी के मिल सकैत अछि. नीतीशजी अपन बेसि टाइम पार्टी प्रत्याशी के प्रचार पर द सकय छथिन्ह. खुद ठाड़ भेलाह सं अपन चुनाव क्षेत्र मे सेहो ध्यान देबय के जरूरत पड़ैत अछि. एहि हिसाब सं देखल जाए तं मुख्यमंत्री जीक ई फैसला पार्टी के लेल नीक छनि.
पिछला विधानसभा चुनाव मे जेडीयू-बीजेपी के गठबंघन एनडीए के 142 सीट... आरजेडी के 54 आओर एलजेपी के 10 सीट मिलल छल. एहि बेर लालू प्रसाद जीक आरजेडी आओर रामविलास पासवान जीक एलजेपी मिल कs चुनाव लड़ि रहल अछि. आब देखबाक अछि कि दूनु गोटे नीतीश जी के कतेक झटका द पाबय छथिन्ह.

नीतीश जीके मुख्यमंत्री बनय सं पहिने बिहार मे अराजक स्थिति छल. सभ तरफ अव्यवस्थाक हालत छल. मुदा नीतीश जीके अएला के बाद हालात किछ सुधरल अछि. लोक मे मन मे सुरक्षा केर भाव आएल अछि. ऊपर सं लोक के विकास दिख रहल छनि. मुदा वोटर हुनकर विकास के मुद्दा के कतेक तरजीह दै छथिन्ह ई अखन किछ नहि कहल जा सकैत अछि. अहांके कि लगैत अछि?Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अथ श्री-श्री 108 स्वामी अनचिन्हारानन्द विरचित कलन्किया कथा

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा