Skip to main content

तखन के संग देत नक्सली के?


बिहार मे आई-काल्हि चारु कात नक्सल मामला छाएल अछि. कोनो चाय-पान दोकान...दलान...चौबटिया एहन नहि अछि जतय एहि पर चर्चा नहि भs रहल होए. सभ ठाम लोक के जुबान पर नक्सली चढ़ल अछि. मुदा एहि बेरक चर्चा मे लोक नक्सली के पक्ष नहि लs रहल छथिन्ह. पहिने दू चारि आदमी नक्सली के पक्ष मे ठाड़ होए छलखिन्ह...आब स्थिति उलैटि रहल अछि.

पिछला दिन लखीसराय मे पुलिस वाला के अपहरण फेर एकटा पुलिस के हत्या के बाद नक्सली आम लोक के सहानुभूति खो रहल छथिन्ह. लोक सभ के कहनाए छनि जे नक्सली मानवाधिकार के सेहो कोनो परवाह नहि करि रहल अछि. नक्सली ओ काज करय लागल अछि जे आतंकवादी करैत अछि. पुलिस वाला के परिवार सभ बेर-बेर आग्रह करैत रहल...सभ टीवी पर... पेपर मे पूरा परिवार के कनैत चेहरा दिखैत रहल मुदा नक्सली के पाथर दिल नहि पिघलल.

सभसं पैघ गप ई अछि जे ई बिहार मे भs रहल अछि... जतए के सरकार नक्सली के प्रति ओतेक कठोर...सख्त रुख नहि अपनौने अछि जतेक कि दोसर राज्य सभ. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पहिनहुं केंद्र के संग बैसार मे नक्सली समस्या पर मानवीय रूप सं विचार करय के आग्रह करि चुकल छथिन्ह. ओ नक्सली दमन के विरोध करि हुनकर सभक मांग पर विचार करय के बात करय छथिन्ह.

बिहार सरकार सदिखन कहैत रहल जे हम बातचीत के खिलाफ नहि छी...बातचीत सं सभ मामला के सुलझाएल जा सकैत अछि. मुदा ओकरा लेल पहिने दूनु पक्ष के बैसार करय पड़त. मुदा किछ लोक के कहनाए छनि जे नक्सली के लगैत अछि कि वसूली...रंगदारी सं जे कमाई अछि ओ हाथ सं निकलि नहि जाएत एहि सं ओ एकर समाधान नहि चाहैत अछि. अगर ऐना नहि अछि त फेर नक्सली के विकास के रास्ता अपनाबय लेल बातचीत सं परहेज नहि करबाक चाही.

इहो बात ध्यान मे राखय वाला अछि जे नीतीश जी अखन धरि कोनो खास अभियान नक्सली के खिलाफ नहि चलौलखिन्ह. हुनकर माननाए छनि कि अगर विकास के बात पर... पक्षपात के बात पर... भेदभाव के बात पर लोक हथियार उठौने छथिन्ह त हुनकर मांग पर सरकार गंभीरता सं विचार करैत... हुनकर सभक परेशानी दूर करय के कोशिश करत.

नक्सली कहैत अछि कि ओ आम लोक... पिछड़ल लोक... सताएल लोक के बात उठाबैत अछि. तखन लुकस टेटे जे पुलिस मारल गेल ओ सेहो आम लोक छल... हुनकर परिवार सेहो आम सं बेसि नहि छनि. ओ अपन-अपन परिवार के रोजी-रोटी के लेल पुलिस मे भर्ती भेल छलखिन्ह. मुदा अहां पूरा परिवार के तड़पैत छोड़ि देलहुं.

लोक सभ के साफ कहनाए छनि जे नक्सली के काज करय के तरीका सही नही अछि. ओ जतेक लोक...सरकारी कर्मचारी के अपन निशाना बनाबए छथिन्ह ओहि मे बेसि आम लोक रहैत अछि. अहां अपन इलाका के स्कूल...पंचायत भवन...ऑफिस के उड़ा दैत छी.. एकर नुकसान ककरा उठाबय पड़ैत अछि? आम लोक के... बड़का लोक के बच्चा तं पब्लिक स्कूल मे चलि जाएत पढ़य लेल...आम लोक के बच्चा सं सरकारी स्कूले टा मे न जाएत?

लोक सभ के तं इहो कहनाए छनि जे नक्सली राजनीतिक दल के हाथ के खिलौना बनल अछि. चुनाव के समय एकर गतिविधि बढ़ि जाएत अछि. एकर उदाहरण अहां बंगाल मे भेल स्थानीय चुनाव के समय सेहो देख सकैत छी. आओर अखन बिहार मे चुनाव होए वाला अछि. नक्सली अपन हाथ-पैर फड़फड़ाबैय लगलाह. मुदा हुनकर हरकत के नुकसान आम लोक बेसि बनैत अछि.

अगर एहिसभ के पाछां राजनीतिक कारण होए.. तं.ओहि सं सेहो इनकार नहि कएल जा सकैत अछि. किएक तं एकर नामे मे पार्टी जुड़ल अछि... भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी (माओवादी). आओर फेर चुनाव सं पहिने दोसर आओर पार्टी सभ के सहयोग शह मिलि रहल होए त कोनो अचरज के बात नहि. आखिर बिहार मे बड़ दिन के बाद कानून-व्यवस्था के माहौल बनल अछि. विकास के बात होए लागल अछि.

एहन मे अगिला बिहार चुनाव अगर विकास...नीक माहौल के नाम पर होएत अछि तं नीतीश कुमार के जीतए सं कोई नहि रोकि सकैत अछि. त कि ई दोसर पार्टी सभ के चाल अछि? चुनाव सं पहिने नीतीश जीक खेल खराब करय के? कि नक्सली राजनीतिक दल के हाथ के कठपुतली बनि सभ किछ करि रहल अछि? कि नीतीश जी के ध्यान विकास पर हटाबय मे किछ लोक लागल छथिन्ह? कि ई नीतीश जी के हराबय के चाल अछि?

अगर एहन बात अछि तं नीतीश जीके संभलि के चलय के जरूरत छनि. नक्सली के लेल सेहो ई साख के सवाल अछि. ओकर नीति के सवाल अछि. आम लोक अगर हुनका सं कटि गेलाह त फेर किनका लsक ओ अपन लड़ाई लड़ताह? आखिर ओ आम लोकहिं के बल पर तं एतेक उछलए छथिन्ह. तं नक्सली सभ के ओ कदम उठाबए सं बचबाक चाही जेहि सं आम लोक के सहानुभूति खत्म होए. हुनका सभ के तुरंत बंधक के छोड़ि बातचीत के रास्ता अपनाबए के चाही.अहांक कि विचार अछि?
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर