Skip to main content

सलमान के बिहार लs जएतीह सोनाक्षी...

सलमान खान के नवका फिल्म आबि रहल अछि दबंग. एहि फिल्मक प्रमोशन के लेल सलमान खान बिहार जएताह. सलमान अपने नहि जा रहल छथिन्ह. हुनका बिहार लsक जा रहल छथीह एहि फिल्मक हीरोईन सोनाक्षी. सोनाक्षी अपन बिहारी बाबू शत्रुघ्न सिन्हा जीक पुत्री छथीह.
सलमान पहिल बेर बिहार जएताह. सलमान बिहार जाए सं डरय छलखिन्ह. मुदा सोनाक्षीक आग्रह आओर सांसद शत्रुघ्न सिन्हा जीक सुरक्षाक भरोस के बाद मना नहि कs सकलखिन्ह. एहि दौरान हुनकर सुरक्षा के पुख्ता इंतजाम कएल जाएत.
दबंग फिल्मक कहानी ओना तं बिहार-यूपी के अछि... मुदा एकर शूटिंग बिहार-यूपी मे नहि भेल अछि. एहि फिल्म मे यूपी-बिहार के अपराध आओर राजनीति के दिखाएल गेल अछि. कहल त इहो जा रहल अछि जे एहि मे बिहारक गलत तस्वीर देखाएल गेल अछि. मुदा जखन धरि फिल्म रिलीज नहि होएत अछि आओर जखन धरि लोक देखि नहि लए छथिन्ह तखन धरि किछ कहनाए ...नीक नहि रहत. 
दबंग मे सलमान बात-बात पर खिसिआए वाला भ्रष्ट पुलिस अफसर बनल छथिन्ह... मुदा ओ कॉमेडी सेहो करैत दिखताह. फिल्मक एकटा सीनक खूब चर्चा अछि...जेहि मे शोले के जेलर असरानी जैसन डायलॉग बोलय छथिन्ह... ‘मोटे वाले इस तरफ जाओ ... पतले वाले उस तरफ जाओ... जो फिट हैं मेरे पीछे आओ’
पान खाय वाला पुलिस अफसर चुलबुल पाण्डेय के रोल के लेल सलमान खान के किछ मोट सेहो होए पड़लन्हि. एहि फिल्म के लेल हुनका अपन 6 पैक एब्स के खत्म करय पड़लन्हि. ओना सलमान खान के फिल्म होए आओर बॉडी दिखाबय के सीन नहि होए ई तं भs नहि सकैत अछि... मुदा ई सीन मारि-पीट वाला अछि.

एहि फिल्म मे किछ एहन एक्शन सीन अछि जे सलमान खान आई धरि नहि कएने छथिन्ह. एकदम हॉलीवुड के एक्शन फिल्म जकां. फिल्म के निर्माता छथिन्ह सलमान के भाई अरबाज खान आओर डायरेक्टर छथिन्ह अनुराग कश्यप के भाई अभिनव कश्यप. दबंग ईद के मौका पर 10 सितंबर के रिलीज होएत.
एहि फिल्म मे अहांके मलाइका अरोड़ा के आइटम सांग सेहो देखय लेल मिलत. मलाइका फिल्म के निर्माता अरबाज खान के पत्नी छथीह आओर फिल्म मे ‘मुन्नी बदनाम’ के भूमिका निभा रहल छथीह. हुनका अहां सभ ‘वेलकम’ फिल्म मे ‘होंठ रसीले’ गीत मे देखने होएब.
एहि फिल्म मे करप्ट पुलिस वाला सलमान के पत्नी के किरदार मे छथीह सोनाक्षी. सोनाक्षी के फिल्मी दुनिया मे लाबय लेल राजी करय वाला सलमानs खान छथिन्ह. असल मे अपन शॉटगन बिहारी बाबू जी नहि चाहैत छलखिन्ह जे हुनकर पुत्री फिल्म मे काम करैथि. मुदा सलमान के कहनाए पर ओ मानि गेलखिन्ह.
सोनाक्षी के ई पहिल फिल्म अछि. मुदा अखने बॉलीवुड के धाखड़-धाखड़ निर्माता-निर्देशक के लाइन लगि गेल छनि. खबर अछि जे बोनी कपूर आओर पंकज कपूर अपन-अपन फिल्म के लेल साइन कएलखिन्ह. एतबे नहि अरबाज खान अपन अगिला फिल्म के लेल सेहो सोनाक्षी के साइन करि लेलखिन्ह. मुदा सभसं चौंकाबय वाला खबर ई अछि जे सोनाक्षी संजय लीला भंसाली के फिल्म करय सं इनकार करि देलीह.
एहि साल 2 जून के अपन 22वां जन्मदिन बनाबय वाली सोनाक्षी के बारे मे एकटा फिल्मकार के तं एतेक तक कहनाय छलन्हि जे सोनाक्षी एतेक खूबसूरत छथीह जे हुनकर चेहरा सं नजर नहि हटैत अछि...हिनका पास सौम्यता आओर आकर्षण दूनु छनि. आओर ई एकटा बड़का स्टार बनतीह. हमर शुभकामना सेहो सोनाक्षी जीक संग छनि.

फिल्म गीत आओर ट्रेलर देखय लेल क्लिक करु  
मस्त गाने

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

डॉक्टर लौटला... मुदा नुकसान के भरपाई केना होएत ?

Fropper.com - Indian Dating, Friendship, Romance पिछला पांच दिन सं बिहार मे जारी जूनियर डॉक्टर के हड़ताल खत्म भ गेल अछि. सरकार के मांग मानि लेबय के बाद डॉक्टर सभ काज पर वापस आबि गेलाह. आब हुनका सभ के 25 हजार रुपया के स्टाइपेंड मिलतन्हि. मुदा एहि हड़ताल के कारण इलाज नहि होए सं 46 लोक मारल गेलाह. हड़ताल पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल... पीएमसीएच आओर दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल...डीएमसीएच दुनु मे छल. मांग मानि लेल गेलाह पर डॉक्टर सभ वापस त आबि गेलाह मुदा जे लोक इलाज के अभाव मे मरि गेलाह ओकर भरपाई केना होएत ? कि एकरा लेल हड़ताली डॉक्टर दोषी नहि छथि ? कि सरकार सं ई मांग दोसर कोनो तरहे नहि मनाएल जा सकय छल ? कि डॉक्टर के लेल आब सेवा भावना आओर शपथ कोनो मायने नहि रखैत अछि ? कि सभ किछ के पाइए सं तौलल जाएत ?. हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com Mithila, Maithili,Madhubani Paintings, Darbhanga, Samastipur, Muzaffarpur, Sitamarhi,nepal, janakpur,kamla balan, bagmati, kusha, ahilya, border, Janki, Kosi, Purnea, Saharsa, Madhepura, Araria, Supaul, Bihar, bihari, Patna, Lalu,laloo, Nitish, Paswan, Kojagra...

हमर पहिल ब्लॉग

हमर पहिल ब्लॉग में अहांक स्वागत अछि... ई ब्लॉग में हम सभ मिल कय अपन गाम घर... अपन मिथिलाक गप्पकरब... एक दूसराक दिलक बात करब... सुख-दुखक बात करब...मिथिलाक विकासक बात करब...हम कदम उठाचुकल छी बस अहां सभक सहयोगक दरकार अछि... मुदा एकटा विनम्र आग्रह अछि...अहां सभ अपन राय, सुझाव जरूर दिअ...गलती बताबय के कष्ट करब. धन्यवाद अहांक अपन.. हितेन्द्र कुमार गुप्ता hellomithilaa@gmail.com +919873606696

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला . मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह. प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह. सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम...

हमर विआह- 8

श्वेता के जन्मदिनक पार्टी सं डेरा त आबि गेलहुं, मुदा आब ध्यान श्वेता सं हटि क अल्का पर अटैकि गेल। मोन एकदम सं फ्लैशबैक मे चलि गेल—कॉलेजक दिन, जे जीवन के सबसे रंगीन, मस्ती आओर मासूमियत सं भरल समय छल। बारहवीं के बाद कॉलेजक पहिल दिन, कहिओ नहि बिसराबय वाला दिन। ओहि दिन पहिल बेर मिलल छलीह अल्का। क्लास मे विद्यार्थी सभ के इंट्रोडक्शन चलि रहल छल। परिचय सं पता चलल जे अल्का सेहो दरभंगा के छथीह। बिहार सं आओर छात्र सभ छल, मुदा अपन शहर के बाते किछु आओर होए छै। जखन बात अपन शहर के होए त लगाव कनि बेसि बढ़ि जाए छै। अल्का यानी मैथिल ब्यूटी, सभ सं अलग। एकदम सं मासूम। एकटा अलगे भोलापन लेने। मोन सं, दिल सं एकदम आईना जकां साफ। दुनियादारी के छल-कपट, होशियारी सं दूर। बोली अतेक मीठ जेना आवाज में मिश्री घुलल होए। मोन होएत छल जे एकटक दैखेत रही आ हुनका सुनिते रही। केतबो खिसिआएल छी, अल्का के आवाज सुनि लिअ सभ शांत भ जाएत। मैथिली त ओहिना मीठ होएत अछि, मुदा अल्का के आवाज मे एकटा अलगे जादू आ कहु सम्मोहन छल जे अहां अपना के बिसैरि हुनका मे खो जएतौं। मंदिर के घंटी जकां मन प्रसन्न करि देबय वाला। सादगी एहन जे देखिते मुंह...

जनकपुरधाम मिथिला मध्यमा परिक्रमा शुरू

मिथिला बिहारी आ किशोरीजीक डोला संगही मिथिलाञ्चलमे पन्द्र दिन धैर पैदले घुमलजायबला मध्यमा परिक्रमा आई, 23 फरवरी सं शुरू भ रहल अछि।

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

हमर गाम केवटी मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. गाम के लेल ई बड़ नीक गप अछि. एहि सं दरभंगा-मधुबनी जिला के एकटा बड़का इलाका के लोक फायदा उठा सकय छथिन्ह. किएक त हमर गाम दरभंगा आओर मधुबनी जिला के बीच मे अछि. केवटी द क दरभंगा सं नेपालक सीमा जयनगर के जोड़य वाला नेशनल हाइवे सेहो जाएत अछि. हमर गामक हाईस्कूल मे अखनो इलाका के 10-12 किलोमीटर तक के छात्र पढ़य आबय छथिन्ह. ओना जखन हम स्कूल मे छलहुं तखन कहि सकय छी 50-50 किलोमीटर दूर तक के छात्र एहि ठाम पढय आबय छलखिन्ह. ओहि टाइम एहि ठाम छात्रावास के नीक व्यवस्था छल. सुदिष्ठ झा जीक समय केवटी स्कूल के पूरा दरभंगा-मधुबनी जिला मे एकटा अलग प्रतिष्ठा प्राप्त छल. आब गाम मे मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर खुली रहल अछि. एहि सेंटर के खोलय के शुभ कार्य करय जा रहल छथिन्ह राम कुमार दास जी. राम कुमार दास जी रिटायर माइनिंग इंजीनियर छथिन्ह. दास जी अखन 65 साल के छथिन्ह. दस साल के उम्र मे गाम सं पढ़ाई-लिखाई... नौकरी के सिलसिला मे जे बाहर निकललखिन्ह तं आब 55 साल बाद फेर सं गाम वापस आबय के मौका मिललन्हि. पढ़ाई-लिखाई आ नौकरी लेल गाम सं निकलला पर कई बेर लोक म...

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल बैसार

दहेज मुक्त मिथिलाक लेल एकटा बैसार रवि दिन 14 अगस्त के दिल्ली मे कनॉट प्लेस के पास कॉफी हाउस भ रहल अछि. एहि बैसार मे  28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल होए वाला राष्ट्रीय अधिवेशनक एजेंडा पर विचार - विमर्श कएल जाएत. बैसार मे अधिवेशन कतय कएल जाए...अधिवेशन के कार्यक्रम केहन होए... एकर प्रारूप... सहयोग... संकलन पर मिल-बैसि s क बात कएल जाएत. 28 सितंबर के दहेज मुक्त मिथिलाक लेल  संकल्प दिवस के रूप मे मनाएल जाएत. एहि दहेज के कारण कतेक घर