ई सबटा मैथिल कहैया



ई सबटा मैथिल कहैया
दुनिया कहैया बिहार बर पाछू ,
नेता कहैया आब कतेक जागू,
केंद्र कहैया की- की सब देखू ,
बिहारी कहैया कतय के भागु ,
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

साइंस कहैया आब कतेक खोजू ,
शिक्षा कहैया आब कतेक जागू ,
विद्यार्थी कहैया आब कते पढू ,
सौभाग्य मिथिला कहैया कते देखाबू ,
बिहारी कहैया कतेक आब सुतू ,
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

दिल्ली कहैया कतेक क राखू ,
बम्बई कहैया कतेक क भगाबू ,
अमेरिका कहैया कतेक वीजा बनाबू ,
लन्दन कहैया कते और अपनाबू ,
बिहारी कहैया कतय घर बसाबू
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

कमला कहैया आब कतेक रूकु ,
कोसी कहैया आब कतेक देखू ,
गंडक कहैया किम्हर के बहु ,
नहर कहैया कते आब पटाबू ,
बिहारी कहैया की सबहक़ जल पिबू ,
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

कर्म कहैया कतेक बचाबू ,
धर्म कहैया कतेक निभाबू ,
शरम कहैया कतेक छिपा बू ,
मृत्यु कहैया कते बेर जिबू ,
बिहारी कहैया कते दुःख सहू
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

शराबी कहैया कते आब पिबू ,

किसान कहैया कते बेशाहा लगाबू ,
पंडित कहैया कते दान कराबू ,
मोन कहैया कते आब कानू ?
बिहारी कहैया कते दुःख सहू ,
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----

रेलगाड़ी कहैया कते आब चलू ,
रिजर्ववेशन कहैया कतेक आब करू
प्लेन कहैया कतेक आब ऊरू ,
संसाधन कहैया कते नियम लगाबू
बिहारी कहैया कथि से चलू
हम नै , ई सबटा मैथिल कहैया----


मदन कुमार ठाकुर
पट्टीटोल , भैरव स्थान ,
झंझारपुर , मधुबनी ,
बिहार -८४७४०४
मो -०९३१२४६०१५०

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

मिथिला पेंटिंग ट्रेनिंग सेंटर

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

देशक पहिल मखाना प्रोसेसिंग यूनिट

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड

आई सं राजनगर आओर सौराठ मे मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल

दरभंगा महाराज केर मूर्ति सं छेड़छाड़

मधुबनी लिटरेचर फेस्टिवल के भेल रंगारंग शुरुआत