वीर जबान

      वीर जबान
 मातृभूमिक रक्षा लेल
शहीद भऽ जाइत छथि वीर जवान
समहारने छथि ओ देशक सीमान
नमन करैत अछी किशन ,अहॉ छी वीर जवान।
मरब की जीयब
तेकर नहि रहैत छनि हुनका धियान
मुदा, देशक रक्षा लेल ओ सदखनि
न्योछाबर करैत छथि अपन जान।
सैनिक छथि ओ इन्सान
देशक दुश्मन पर रखैत छथि धियान
आतंकवादीक छक्का छोड़ा दैत छैक
परमवीर छथि, हिन्दुस्तानक वीर जवान।
महान छथि ओ वीर जवान, देशक खातिर
जे हॅंसैत-हॅंसैत देलथिहिन अपन बलिदान
भारतवासी गर्व करैत अछि अहॉ पर
नहि बिसरत कहियो अहॉक त्याग आओर बलिदान।
सीमा पार सॅं, केलक आतंकी हमला
कऽ देलियै आतंक के मटियामेट अहॉं
भऽ गेलहुँ अपने लहु-लुहान मुदा
आतंक सॅं बचेलहुँ सभहक जान

करगिल सॅ कूपवाड़ा तक
आतंकवादी सॅं लैत छी अहॉं टक्कर
अहॉंक वीरता देखि कऽ
अबैत छैक ओकरा चक्कर।
 बीर जबान यौ बीर जबान
समहारने छी अहॉं देशक सीमान
कोना कऽ हेतै देशक रक्षा
सदखनि अहॉ रहैत छी हरान।

:- किशन कारीग़र-:
              
                                   
परिचय:-जन्म- 19830 कलकता में मूल नाम-कृष्ण कुमार राय किशन। 
पिताक नाम- श्री सीतानन्द राय नन्दूमाताक नाम- श्रीमती अनुपमा देबी। 
मूल निवासी- ग्राम-मंगरौना भाया-अंधराठाढ़ी जिला-मधुबनी बिहार। 
हिंदी में किशन नादान आओर मैथिली में किशन कारीग़र के नाम सॅं लिखैत छी। हिंदी आ मैथिली में लिखल नाटक आकाशवाणी सॅं प्रसारित एवं दर्जनों लघु कथा कविता राजनीतिक लेख प्रकाशित भेल अछि। 
वर्तमान में आकशवाणी दिल्ली में संवाददाता सह समाचार वाचक पद पर कार्यरत। 
शिक्षाः- एम फिल पत्रकारिता एवं बी एड कुरूक्षे़त्र विश्वविद्यालय कुरूक्षेत्र सॅं।

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

  1. Amit Gandhi editor real watch magazineAugust 23, 2010 at 3:38 PM

    kishan jeek kavita bad neek..hinkar kavita videha me ta padhait chhalau muda hello mithilaa me dekhi aaou ati prasanta bhel

    ReplyDelete
  2. Amit Gandhi editor real watch magazineAugust 23, 2010 at 8:04 PM

    kishan jeek kavita neek lagal.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

किछ हरायल शब्द

पूर्णिया मे सुखोई

हमर विआह-10

हमर विआह -1 (पहिल कड़ी)

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

राग-विराग

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

हमर विआह- 8