सावनक मास लोक के लेल हरिअरी लsक अबैत अछि...मुदा एहि बेरक हाल एकदम सं उलट अछि. बिहारक 32टा जिला रौदीक चपेट मे अछि आ बाकी 6टा जिला बाढ़ि सं प्रभावित. रौदी-दाही के प्रभाव सं बिहार कहिओ मुक्त नहि भेल.
सरकारक कोशिश आब एहि 32 जिला के सूखाग्रस्त घोषित करबाक अछि. भs सकैत अछि जे काल्हि मंगल दिन जे बैसार होएत ओहि मे एहि जिला सभ के सूखाग्रस्त घोषित करि देल जाएत.
पानि... वर्षा कम होए सं लोक सभ परेशान छथिन्ह. रोपनी नहि होए सं खेत सभ सेहो सूखल पड़ल अछि. हाल ई अछि जे एहि बेर सामान्य सं चौथाईओ पानि नहि भेल अछि.
पिछला साल सेहो रौदी के कारण 26 जिला के सूखाग्रस्त घोषित कएल गेल छल. चुनाव के करीब देखि सरकार कोनो सुस्ती नहि बरतय चाहैत अछि. राज्य सरकार रौदी के देखैत केंद्र सरकार सं मदद के लेल 15 हजार करोड़ रुपया के मांग करि सकैत अछि.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु