रौदी के चपेट मे बिहार

सावनक मास लोक के लेल हरिअरी लsक अबैत अछि...मुदा एहि बेरक हाल एकदम सं उलट अछि. बिहारक 32टा जिला रौदीक चपेट मे अछि आ बाकी 6टा जिला बाढ़ि सं प्रभावित. रौदी-दाही के प्रभाव सं बिहार कहिओ मुक्त नहि भेल.

सरकारक कोशिश आब एहि 32 जिला के सूखाग्रस्त घोषित करबाक अछि. भs सकैत अछि जे काल्हि मंगल दिन जे बैसार होएत ओहि मे एहि जिला सभ के सूखाग्रस्त घोषित करि देल जाएत.

पानि... वर्षा कम होए सं लोक सभ परेशान छथिन्ह. रोपनी नहि होए सं खेत सभ सेहो सूखल पड़ल अछि. हाल ई अछि जे एहि बेर सामान्य सं चौथाईओ पानि नहि भेल अछि.

पिछला साल सेहो रौदी के कारण 26 जिला के सूखाग्रस्त घोषित कएल गेल छल. चुनाव के करीब देखि सरकार कोनो सुस्ती नहि बरतय चाहैत अछि. राज्य सरकार रौदी के देखैत केंद्र सरकार सं मदद के लेल 15 हजार करोड़ रुपया के मांग करि सकैत अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

जेएमआईटी बनल डीईसी

हमर विआह- 8

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

विज्ञान सं रुझान कम किएक ?