ट्रेनक टाइम टेबल बदलल…

एहि मास सं दिल्ली सं बिहार जाए वाला कइटा गाड़ी के टाइम टेबल आओर आबय-जाए के जगह बदलि गेल अछि. एहि लेल स्टेशन जाए सं पहिने 139 पर या स्टेशन पर फोन कs पता कs लेल करब... जे ट्रेन कोन स्टेशन सं खुलत आ आएत... संगहि-संग कतेक बजे खुलत आ आयत. एतबे नहि किछ ट्रेनक नंबर सेहो बदलि देल गेल अछि. नई दिल्ली सं खुलय वाला कइटा ट्रेन आब आनंद विहार टर्मिनल सं खुलत... नई दिल्ली सं दरभंगा होएत सीतामढ़ी जाए वाला लिच्छवी आब 15 जुलाई सं आनंद विहार टर्मिनल सं खुलत आओर आएत. हजरत निजामुद्दीन-जयनगर गरीब रथ एक्सप्रेस सेहो आब एतहिं सं खुलत.
एकरे संग
नई दिल्ली- भागलपुर विक्रमशिला एक्सप्रेस...
दिल्ली -हटिया झारखंड एक्सप्रेस...
हजरत निजामुद्दीन - राजेंद्र नगर गरीब रथ...
नई दिल्ली-गुवाहाटी नॉर्थ ईस्ट एक्सप्रेस...
नई दिल्ली -मुजफ्फरपुर सप्तक्रांति एक्सप्रेस...
नई दिल्ली- इस्लामपुर मगध एक्सप्रेसक
परिचालन सेहो आनंद विहार टर्मिनल सं होएत.
आओर हां ट्रेन नंबर 4007 मुजफ्फरपुर-दिल्ली जंक्शन सदभावना एक्सप्रेस आब सुबह 4.50 बजे दिल्ली पहुंचत... संगहि–संग ट्रेन नंबर 2557 मुजफ्फरपुर-नई दिल्ली सप्तक्रांति एक्सप्रेस 4.45 बजे भोर के जगह आब किछ पहिने 4.25 बजे पहुंचत... आओर राजगीर - नई दिल्ली श्रमजीवी एक्सप्रेस 5.10 बजे भोर मे नई दिल्ली पहुंचत. तं घर सं निकलय सं पहिने गाड़ी...ट्रेन के बारे मे नीक सं पूरा जानकारी लs लेल करु... जेहि सं कोनो परेशानी नहि होए.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

Popular posts from this blog

खत्म होएत गैस के किल्लत...

मैथिल नववर्ष जूड़शीतल- सतुआइन केर शुभकामना

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

मिथिला लेल पैघ खबर- मैथिल पुत्र विजय झा जी पंडौल मे करय जा रहल छथिन्ह 200 करोड़ के निवेश

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

ट्विटर स्पेस पर रोज भs रहल अछि मिथिला-मैथिली पर सार्थक चर्चा, अहुं सभ लिअ भाग

राष्ट्र निर्माणमे राज दरभंगाक योगदानक चर्चा दिल्ली मे

कि इहे सभागाछी अछि ?

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

हमर विआह- 8