नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

महबूब अली कौसर प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष

बिहार मे महबूब अली कौसर नवका प्रदेश अध्यक्ष होताह. कौसर जी के अनिल शर्मा जीक जगह पर प्रदेश अध्यक्ष बनाएल गेलन्हि. हिनके संग पार्टी के राज्य प्रभारी जगदीश टाइटलर के सेहो हटा देल गेलन्हि. टाइटलर आब कांग्रेस सेवा दल के अध्यक्ष होताह. बिहार मे अनिल शर्मा जीक कांग्रेस अध्यक्ष बनला के बादहिं सं पार्टी मे असंताषक लहर छल. हिनका लs क कार्यकर्ता सभ अपन विरोध सेहो दर्ज करौने छलखिन्ह. आबय वाला चुनाव के देखैत पार्टी भीतरका असंतोष दूर करय के संग अल्पसंख्यक वर्गक लोक के अपना संग लाबय के सेहो कोशिश कएलक अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु