लोकजनशक्ति पार्टीक नेता रामविलास पासवानजी राज्यसभा सीट के लेल पटना सं पर्चा भरलखिन्ह. पासवानजी पिछला लोकसभा चुनाव हाजीपुर सं हारि लेल छलखिन्ह. जखन कि पासवानजी हाजीपुर सं रिकॉर्ड वोट सं जीत चुकल छथिन्ह. लाखों वोट सं जीतय वाला पासवान जीक हार हुनका लेल एकटा बड़का झटका छलन्हि. लोकसभा नहि गेलाह के बाद राष्ट्रीय जनता दल के सहयोग सं ओ राज्यसभा जाए चाहय छथिन्ह. एहि के लेल लालू प्रसाद यादव जीक हिनका पूरा समर्थन मिलि रहल छनि. पर्चा भरय के समय बुध दिन लालूजी सेहो मौजूद छलखिन्ह.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु