नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार सं बाहर सेहो मिलत चिनिया केरा

आम...लीची...मखान जकां बिहारक चिनिया केरा सेहो काफी मशहूर अछि. स्वाद आ मिठास मे एकर कोनो जोड़ नहि अछि. मुदा बिहार सं बाहर एहि केरा के बारे मे लोक नहि के बराबर जानय छथिन्ह. ओना चिनिया केरा के फल छोट होएत अछि मुदा स्वाद मे दोसर केरा एकर सामने कतहुं नहि टिकैत अछि. छठि पावनि मे एकर मांग पूरा करनाय मुश्किल रहैत अछि. बिहार मे चिनिया केराक सभसं बेसि सप्लाई हाजीपुर सं होएत अछि. हाजीपुरक चिनिया केरा नामी अछि. ओना हाजीपुर...वैशाली के संग-संग गंगा सं सटल बिहार के पटना...बेगूसराय... मुंगेर...भागलपुर तक चिनिया केरा मिलैत अछि आओर बड़का पैमाना पर एकर पैदावार होएत अछि.
सरकार के कोशिश आब एकर पैदावार के बढ़ा बिहार सं बाहर सेहो भेजय के अछि. जेहि सं बिहार सं बाहरक लोक सेहो एकर स्वाद चखि सकताह. एहि सं इलाका के लोक के आमदनी बढ़त आओर बेसि सं बेसि लोक एकर खेती सं जुड़ताह. पटना...हाजीपुर सं गुजरैत काल ट्रेन...बस पर सवार बेसि लोक चिनिया केरा जरूर खरीदय छथिन्ह. ओना चिनिया केला कनि टूनकाह होएत अछि. पकलाह पर जल्दीए टूटि जाएत अछि. कृषि वैज्ञानिक सभके एहि पर ध्यान देबय के जरूरत छनि. जेहि सं चिनिया केराक गोट बरबाद होए सं बचल रहय आओर व्यापारी के नुकसान कम होए. एकर पैकेजिंग पर ध्यान देबय पड़तन्हि जाहि सं कि ई बेसि दिन तक टिकल रहय.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



2 टिप्‍पणियां:

  1. ई फ्रेंड फ़ाइंडर मे का दिखावत बानी

    जवाब देंहटाएं
  2. Manyabar,
    Ham Raman Jha Kathmandu San.
    Site Neek Lagal. Utsukta Bash Khollahu, Kintu Laaj Bhel Front Page par FRIEND-FINDER.COM ke Ad Dekhi Ka. Ki ee page family, Bujurg aa Bachcha Sabhahak Samane me Kholi Sakait Chhi ?

    Raman Jha ,
    Kamaladi,
    Kathmandu
    Ph : 9851074209
    EMail : jhamailid@gmail.com

    dfGoj/,
    xd /d0f emf sf7df08' ;+ .
    x]nf] ldlynf ;fO6 gLs nfun . pT;'stfjz vf]nnx'+ . lsGt' nfh nfun ;fdg]d] k|mG6 kmfOG8/ 86 sd s] cfklQhgs k|rf/ b]lvs . sL O{ k]h cKkg kl/jf/, dfoafk, aRrf cflbs] ;fdg]d] vf]ln ;s}t 5L <
    cfzf cl5 Wofg bs olx k|rf/s] d'Vo k[i7 ;+ sft s/a .
    ejbLo,
    /d0f emf
    sdnfbL
    sf7df08'
    kmf]gM (*%!)&$@)(
    Od]nM jhamailid@gmail.com

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु