नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे काज सुस्त

हर तरफ सं खबर आबि रहल अछि जे बिहार बदलि रहल अछि. देश-दुनिया सभतर नीतीश जीक प्रशंसा भs रहल छनि. लोक सभक कहनाय छनि जे बिहार मे विकासक बयार बहि रहल अछि. मुदा केन्द्र सरकारक मानल जाए त बिहार मे नीक सं काज नहि भs रहल अछि. केंद्र सरकार जतेक पाई बिहार सरकार के दs रहल अछि ओ खर्च नहि भ पाबि रहल अछि. केन्द्र सरकार के कहनाय अछि जे प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना मे नीक सं काज नहि भS पाबि रहल अछि. एहि मद मे राज्य मे सोलह हजार करोड़ के योजना चलि रहल अछि… मुदा राज्य मे अखन धरि मात्र पांच हजार करोड़क काज पूरा भेल अछि. ओना कहल जा रहल अछि जे प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना के काज केंद्रीय एजेंसी... निगम के मार्फत सं भ रहल अछि एहि लेल...काज के ससरैत चलय के लेल केंद्र सरकार खुद जिम्मेदार अछि. आब जे होए अगर जे 30 फीसदी काज भेज अछि अगर सौ फीसदी भेल रहैत त बिहारक स्थिति की रहैत से जानिए सकय छी. सड़क निर्माण के लSक राज्य सरकार आओर केंद्र सरकार मे बराबर घोंघाउज होएत रहैत अछि. बिहार सरकार के शिकायत रहैत अछि जे केंद्र सं उचित मदद... सहयोग नहि मिलैत अछि जखन कि केंद्र के कहनाय रहैत अछि जे बिहार मे काज बड़ सुस्त गति सं चलैत अछि आओर समय पर पूरा नहि होएत अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु