नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

आब बकरी पालन पर जोर

बिहार सरकार आब गरीबी रेखा सं नीचा रहय वाला लोक के लेल बकरी पालन पर जोर देबय जा रहल अछि. सरकार के माननाय अछि जे बकरी पालन लोक के कमाय-खाय के नीक साधन बनि सकैत अछि. एहि के लेल सरकार पूर्णिया मे एकटा बकरी प्रजनन प्रक्षेत्र बनाबय जा रहल अछि. एहि के लेल लोक के बकरी पालन के लेल जरूरी ट्रेनिंग देल जाएत ओर बकरा सेहो देल जाएत. शुरू मे करीब 600 किसान के दू-दूटा बकरा देल जाएत.
एक तरह सं देखल जाए त गाम-घर के गरीब लोक के लेल सरकार के ई नीक कदम अछि. गाम-घर मे अखनो काफी लोक बकरी पालय छथिन्ह. पांच-दसटा बकरी-बकरा रखला पर जरूरत के समय बकरा बेच काज चला लेल जाएत अछि. खेती आओर मजदूरी के संग बकरी... मुर्गी आओर माछ पालन कs कनाय बढ़ाएल जा सकैत अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

1 टिप्पणी:

  1. Shubh kamna sahit dhanywad. ahan ke pryas san hamra sabh ke bihar ke naya activity ke bare me pata chalait rahai chhi. Bihar sarkar ke ee jatan bahut neek aichh.

    जवाब देंहटाएं

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु