कि कोचिंग पर रोक लागय ?

बिहार मे कोचिंग के लsक जे आई-काल्हि हंगामा भs रहल अछि ओकर असल कारण कि अछि ? देश के सभ इलाका मे कोचिंग चलैत अछि... फेर बिहारे मे ई बवाल किएक ? कि बिहार मे शिक्षा एकटा बड़का कमाउ धंधा बनि गेल अछि ? कि बिहार मे शिक्षा के क्षेत्र मे एकटा आओर माफिया सक्रिय भs रहल अछि कोचिंग के रूप मे ? कि दोसर ठाम के जकां बिहार मे कोचिंग संस्थान मे प्रतियोगिता परीक्षा के तैयारी कराबय वाला नीक शिक्षक अछि ? कि एहि ठाम कोचिंग मे छात्र के सभ तरहक सुविधा देल जाएचत अछि? कि छात्र-शिक्षक के बीच नीक सं संवाद होएत अछि ? स्कूल- कॉलेज मे नीक सं पढ़ाई होए तखनो छात्र के कोचिंग के जरूरत पड़त? सरकारी स्कूल-कॉलेज मे पढ़ाबय वाला शिक्षक के कोचिंग-ट्यूशन पर किएक नहि रोक लगैत अछि? कि कोचिंग के लेल स्कूल-कॉलेज मे शिक्षक नीक सं नहि पढ़ाबैत छथिन्ह? असल कारण कि अछि? अपन विचार राखु. सभ लोक के अपन कमेंट... राय... विचार सं अवगत कराबिऔं. भ सकैत अछि अहांक विचार सं सरकार के सेहो किछ आइडिया मिलतन्हि. त देर नहि करु. तुरंत एकटा कमेंट ठोकि डालु.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

फर्स्ट आउ छात्रवृत्ति पाउ

हमर विआह- 8

कुंद नहि होबाक चाही रचनाधर्मिता केर धार- रविन्द्र नाथ ठाकुर

दरभंगा लेल हवाई सेवा !

ट्विटर स्पेस: मिथिला राज्य निर्माण पदयात्रा पर भेल चर्चा

दरभंगा सं मरीज के लेल हवाई सेवा

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

Photos: बिहार महोत्सव दिल्ली पार्ट 2

सरकारी स्कूल मे कम्प्यूटर शिक्षा