नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

बिहार मे बवाल किएक?

पटना मे आई-काल्हि कोचिंग के लsक मामला गरमाएल अछि. कोचिंग संस्थानक मनमानी के विरोध मे मंगलदिन छात्र सभ अपन गुस्सा कोंचिंग संस्थान पर निकाललाह. एहि क्रम मे रास्ता मे जे आएल सेहो निशाना बनि गेल. एकटा छात्र के मौत सेहो भs गेल.
कोचिंग आई-काल्हि एकटा चोखा धंधा बनि गेल अछि. भारी भरकम कमाई के देखैत कइटा बाहुबली टाइपक लोक सभ सेहो कोचिंग संस्थानक दोकान खोलि लेलाह अछि. कमाई लेल खोलल गेल एहि कोचिंग संस्थान मे पढाई कम कमाई के धंधा बेसि होएत अछि. छात्र सभ के शांत राखल लेल दू-चारिटा बाउंसर...लठैत... मुस्टुंडा सभ सेहो राखल जाएत अछि. कखनो काल त सवाल पूछलो पर छात्र के सभ लोकक बीच मारि-पीट कs शांत करा देल जाएत अछि आओर दोसर छात्र के संदेश द देल जाएत अछि अगर तौं सभ एना करबह त तोरो सेहे हाल होएतह. डरे सभ चुप. मुदा जखन पानि सिर सं ऊपर चलि जाएत अछि त फेर...ओहने होएत अछि जेना आई-काल्हि पटना मे भs रहल अछि.
पटना के भिखना पहाड़ी... मखनिया कुआं... रमना रोड... नया टोला... बाजार समिति के इलाका मे कुकुरमुत्ता जैसन कोचिंग संस्थान खुलि गेल अछि. अहां कहि सकय छी जे कुकरमुत्तो सं बेसि. राजस्थान के कोटा जकर अर्थ व्यवस्था कोचिंग सं बेहतर भेल अछि. पटना अगर ओहने चलय त लोक सभ के सेहो नीक कमाय होएत. मुदा एहिठाम त सोनाक अंडा देबय वाला मुर्गा के एकहि बेर मे हलाल करय के कोशिश करि देल जाएत अछि. एहि ठाम फीस लेल जाएत किछ... रसीद देल जाएत किछ. परीक्षा खत्म भ जाएत मुदा कोर्स खत्म नहि होएत. शिकायत करब त पीटाएब. डराएल- धमकाएल जाएब. आब लोक पढ़ाए करय आएल अछि त शांते रहैत अछि. कि के झंझट मे पड़य. एकरे फायदा कोचिंग संस्थान वाला उठा मनमाना कमाए करि रहल अछि. कोनो लगाम नहि. जेना मन भेल पढ़एलक... जेहि क्लास मे 15-20 छात्र होबाक चाही ओहि मे सौ-सौ छात्र राखि देल जाएत एछि. कई ठाम त एहु सं बेसि. मुदा सरकारी कार्रवाई नहि होबय सं सभ के मन बढ़ल अछि. ओना एहि बेर भेल बवाल के बाद सरकार के किछ होश आएल अछि. सरकार मामला के जांच के बात कहलक अछि. आओर सरकार के इहो कहनाय अछि जे एकरा लेल एकटा कानून सेहो लाएत जाएत.
आखिर सरकार के नींद तखने किएक टूटैति अछि जखन किछ भs जाएत अछि. लगैत अछि दूरदृष्टि… दीर्घावधि के ध्यान मे राखि के किछ करय वाला समय आजुक नेता मे नहि रहि गेल अछि. एहि सभ के चलते बिहारक लाखों छात्र राज्य सं बाहर जाए के लेल मजबूर अछि. नीतीशजी नीक काज कs रहल छी त एकरो सभ पर ध्यान दिऔ. नहि त जे छात्र अहांके एहि मुख्यमंत्री के गद्दी पर बैसेने अछि अगिला चुनाव मे उतारि सेहो सकय अछि. अहां सभ सेहो अपन विचार राखु कोचिंग संस्थान के लs क. अहांक विचारक इंतजार मे.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु