नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

अपन-अपन प्रतिनिधि के जगाउ...

रेल बजट आबय वाला अछि. रेल मंत्री ममता बनर्जी बजटक तैयारी मे लागल छथीह. पिछला बेरक जकां एहि बेर सेहो बंगाल छाएल रहत बजट मे. मुदा पिछला बजट मे जेना बिहारक उपेक्षा कएल गेल रहय एहिबेर फेर ओहिना नहि होए एकरा लेल अपन-अपन एमपी... प्रतिनिधि के जगाउ. हुनका कहिओ जे ओ अपन-अपन इलाका के रेलक काज के लेल ममता जी सं मिलथिन्ह. हुनका सामने अपन मांग रखथिन्ह. नवका रेल चलाबय लेल कहथिन्ह.
होली... छठि... गर्मी छुट्टी... दुर्गा पूजा के समय जे भीड़-भाड़ रहैत अछि आओर गाम आबय-जाय मे जे परेशानी होएत अछि... से भूलि त नहि गेलहुं अ अहां सभ? अगर नहि त देर नहि करु. अपन-अपन मांग राखु. पेपर... टीवी... प्रतिनिधि के माध्यम सं अपन परेशानी... समस्या रेलमंत्री के सामने राखु. पत्रकार भाई लोकनि अहां सभ सेहो बिहारक परेशानी के अखबार-चैनल के मार्फत दुनिया के सामने लाबिऔ.
रेल यातायात के मामला मे बिहार अखनो बड़ पाछां अछि. नव-नव ट्रेन के जरूरत अछि. नव-नव ट्रेन लाइन के जरूरत अछि. अगर अहांक प्रतिनिधि बैसल रहि गेलाह त बस एहि बेर सेहो माथ पर हाथ धरि ताकैत रहि जाएब.
ओना बिहार के मुख्यमंत्री आओर पूर्व रेलमंत्री नीतीश कुमार एहि बारे मे एकटा चिट्ठी ममता जी के लिखलखिन्ह. नीतीश जी अपन पत्र मे करीब दर्जन भर नवका ट्रेन चलाबय आओर लंबित पड़ल पुरनका रेल परियोजना के पूरा करय के आग्रह करलखिन्ह. अपन पत्र मे मुख्यमंत्री लिखलखिन्ह अ जे बिहार सरकार हुनकर हर तरह सं मदद करय लेल तैयार अछि. एहि सं पहिने बिहार मे कइटा रेल परियोजना के घोषणा कएल गेल मुदा ओ कई बेर फंड के कारण त कई बेर राजनीतिक कारण सं अटकल रहल.
एक आदमी जे बात कहय छै से आओर दस लोक जे बात कहय छै तकर अलग-अलग प्रभाव पड़य छै. ताही लेल मुख्यमंत्री नीतीश के आवाज सं आवाज मिलाबैत अहां सभ सेहो अपना इलाका लेल रेल सुविधा के मांग करु. बिना मांगने किछ नहि मिलत. अखन देर नहि भेल अछि. बजट तैयारे भs रहल अछि. अपन-अपन सांसद महोदय के फोन करिऔ...हुनका सं मिलिऔ... दस लोक सं दवाब बनबिऔ जे हमरा इलाका लेल ट्रेन चाही. नवका लाइन चाही. बैसल रहल त बैसले रहि जाएब. फेर दोसर ककरो दोष नहि देबय.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com







कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु