बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सितारा आई–काल्हि बुलंदी पर छनि. देश-विदेश चारु कात स हुनकर प्रशंसा भs रहल छनि. सभ लोक नीतीश जीक मदद करय चाहय छथिन्ह. अमेरिका के सेहो कहनाय अछि जे ओ बिहार के विकास मे भागीदारी चाहैत अछि. ओ सभ तरहक मदद करय चाहैत अछि. ई बात कहनाय छनि भारत मे अमेरिका के राजदूत टी.जे रोमर के. नीतीश जी सं भेंट करय लेल पटना आएल अमेरिका राजदूत के कहनाय छनि जे बिहार हर क्षेत्र मे विकास कs रहल अछि. ओ इहो कहलखिन्ह जे इंफ्रास्ट्रक्चर...शिक्षा...हेल्थ आओर आईटी सेक्टर मे राज्य काफी आगां बढ़ल अछि. कानून-व्यवस्था मे सेहो नीक सुधार भेल अछि. ओ मुख्यमंत्री के कहलखिन्ह जे अमेरिका शिक्षा...कृषि... फूड प्रोसेसिंग... इंफ्रास्ट्रक्चर आओर ऊर्जा क्षेत्र मे बिहार के सहयोग करि सकैत अछि. एहि सं पहिने ओ पटना के खुदा बख्श ओरिएंटल पब्लिक लाइब्रेरी मे एकटा वेबसाइट के सेहो लांच कएलखिन्ह.
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com
No comments:
Post a Comment
अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु