आब संग आएल अमेरिका

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सितारा आई–काल्हि बुलंदी पर छनि. देश-विदेश चारु कात स हुनकर प्रशंसा भs रहल छनि. सभ लोक नीतीश जीक मदद करय चाहय छथिन्ह. अमेरिका के सेहो कहनाय अछि जे ओ बिहार के विकास मे भागीदारी चाहैत अछि. ओ सभ तरहक मदद करय चाहैत अछि. ई बात कहनाय छनि भारत मे अमेरिका के राजदूत टी.जे रोमर के. नीतीश जी सं भेंट करय लेल पटना आएल अमेरिका राजदूत के कहनाय छनि जे बिहार हर क्षेत्र मे विकास कs रहल अछि. ओ इहो कहलखिन्ह जे इंफ्रास्ट्रक्चर...शिक्षा...हेल्थ आओर आईटी सेक्टर मे राज्य काफी आगां बढ़ल अछि. कानून-व्यवस्था मे सेहो नीक सुधार भेल अछि. ओ मुख्यमंत्री के कहलखिन्ह जे अमेरिका शिक्षा...कृषि... फूड प्रोसेसिंग... इंफ्रास्ट्रक्चर आओर ऊर्जा क्षेत्र मे बिहार के सहयोग करि सकैत अछि. एहि सं पहिने ओ पटना के खुदा बख्श ओरिएंटल पब्लिक लाइब्रेरी मे एकटा वेबसाइट के सेहो लांच कएलखिन्ह.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

Popular posts from this blog

दिल्ली मे भेल मिथिला महोत्सव आओर मैथिली साहित्य महोत्सव

अहाँ मैथिली बजै छी की ?

हमर विआह- 8

छोट राज्य के पक्ष मे नीतीश जी

जगदीश मंडल जी के उपन्यास 'पंगु' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार

आंसू

नहि रहलाह मैथिली पुत्र प्रदीप

गुजरात मे पहिल दिन...

प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया जी भेलाह एकटा आओर सम्मान सं सम्मानित

अलग मिथिला राज्य लेल जंतर-मंतर पर विशाल प्रदर्शन, ट्विटर पर MithilaRajya हैशटैग करि रहल अछि टॉप ट्रेंड