राहुल मामला गरमाएल

राहुल गांधी त दरभंगा दौरा कs चलि गेलाह…मुदा मालला के गरमा गेलाह. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे राहुल गांधी के कार्यक्रम के लsक आल इंडिया स्टूडेंट्स एसोसिएशन आओर अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद विरोध दर्ज करएलक अछि. दूनु छात्र संगठन के आरोप अछि जे विश्वविद्यालय के राजनीतिकरण करि देल गेल अछि. एकरा लेल ओ कुलपति के जिम्मेदार ठहराबैत छथिन्ह. आल इंडिया स्टूडेंट्स एसोसिएशन एकरा लsक विरोध मार्च सेहो निकालत. मुदा अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद के त कहनाय अछि जे एहिठाम के शैक्षणिक माहौल के अपवित्र करि देल गेल अछि. एहि के लsक परिषद के विद्यार्थी सभ विश्वविद्यालय कैम्पस मे गंगाजल के छिड़काव कएलाह. एहि क्रम मे किछ छात्र विश्वविद्यालय के कुलपति डॉ पद्माशा झा पर सेहो गंगाजल छिड़कि देलखिन्ह. काफी बाताबाती सेहो भेल. कुल मिलाकs पूरा विश्वविद्यालय मे आई-काल्हि सिर्फ राहुल गांधी के चर्चा अछि.
Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com



Comments

  1. Rahul in Mumbai. Shiv Sena and MNS are watching his movements, perhaps, on TV. Cursing the people who have kept them away from power.

    ReplyDelete

Post a Comment

Popular posts from this blog

हमर विआह- 8

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...

पूर्णिया मे सुखोई

कि इहे सभागाछी अछि ?

हमर विआह 4 (चारिम कड़ी)

बिहार के एकटा आओर सम्मान

एहिना मिलत मिथिला राज्य?

दिल्ली मे सामा चकेवा

किछ हरायल शब्द

केंद्र मे हारल बिहार...